पटना । केंद्रीय गृह मंत्रालय बिहार क नक्सल ग्रस्त इलाका मे 100टा नव थाना लेल भवन बनेबाक मंजूरी देलक अछि। राज्य क अपर पुलिस महानिदेशक पीक़े ठाकुर क अनुसार एकटा थाना भवन क निर्माण मे दू करोड़ टका खर्च होएत। एहि भवन क खास गप इ रहत जे गोलीबारी आ विस्पफोट स एकरा कम स कम नुकसान होएत। एहि थाना भवन मे पुलिसकर्मी के संग-संग हथियार सेहो सुरक्षित राखल जा सकैत अछि। एहिमे बंकरनुमा कक्ष सेहो होएत जतए कोनो हमला भेला पर पुलिसकर्मी पलटवार करि सकताह। एहि थाना भवन क निर्माण अगिल एक-डेढ़ वर्ष मे पूरा करि लेल जाएत। पिछला सप्ताह दिल्ली मे प्रधानमंत्री क अध्यक्षता मे नक्सलवाद ग्रस्त राज्य क मुख्यमंत्री क बैठक मे देश भर मे 400 नव थाना भवनक निर्माण क गप भेल छल। एहि मे स 100टा थाना बिहार मे बनत। बिहार क कईटा जिला नक्सलग्रस्त अछि आ कईटा त जंगल स घिरल अछि।