• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

अविश्‍वासक दिसंबर

December 4, 2011
in संपादकीय, समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

कुमुद सिंह
दिसंबर, कहबा लेल इ एकटा मास अछि, मुदा इ ओ रातिक भांति अछि जे कहैत अछि जे भोर भ रहल अछि। समय बदलैत आ दिन बितैत देर नहि होइत अछि। जेना जनवरी स दिसंबर एकटा तय समय मे भ जाइत अछि तहिना घोषणा आ उदघाटन एकटा कालक्रम बनि जाइत अछि। समयचक्र एहि दूनू काल कए एक एक करि सामने आनि दैत अछि। अविश्‍वासक काल अपन दिसंबर मे अछि आ विश्‍वासक जनवरीक प्रतिक्षा मे मिथिला व्‍याकुल भ उठल अछि। इ दिसंबर मिथिला लेल खास भ चुकल अछि। दिसंबरक दोसर सप्‍ताह मे जतए मुजफ्फ़रपुर मे बिस्‍कुट उत्‍पादन संयंत्र शुरू भ जाएत, ओतहि अंतिम सप्‍ताह तक दू भाग मे विभाजित मिथिला एक भ जाएत। मिथिलाक लोक लेल किशनगंजक चाह आ मुजफ्फ़रपुर क बिस्‍कुट दूनू आसानी स उपलब्‍ध भ जाएत।
आइ स करीब आठ साल पहिने एकटा विद्वान कहने छलाह जे निराशाक कोठली मे कैद मिथिलाक जनता लेल कोनो घोषणा तखन धरि सार्थक नहि भ सकैत अछि जखन धरि को भौतिक रूप स सामने नहि आबि जाए। इ अविश्‍वास आजादीक बाद देल गेल सरकारी धोखा स पैदा भेल अछि ताहि लेल एकर आलोचना नहि भ सकैत अछि। इ अविश्‍वास सरकारी स्‍तर पर काज भेला स स्‍वत: समाप्‍त भ जाएत। जनताक बीच इ विचार जडता ल चुकल अछि जे घोषणा मुंह स निकलल एकटा एहन शब्‍द अछि जे भौतिक रूप स जमीन पर नहि उतरैत अछि। एहि जडता कए तोडबा लेल घोषणा कए भैतिक रूप स जमीन पर उतारब जरूरी छल। एहि गप पर कोनो विवाद नहि जे घोषणा एखनो जमीन पर नहि उतरि रहल अछि, मुदा घोषणा आ जमीन क बीच टूटल कडी कए जोडबा लेल पुल तैयार भ रहल अछि।
देखल जाए त कोसी पर महासेतुक क घोषणा पहिल बेर 1973 मे भेल। मुदा घोषणा जमीन पर नहि उतरि सकल। विश्‍वासक नींव 2004 मे शिलान्‍यास क संग नहि पडि सकल। घोषणा पर संदेह बनल रहल। आइ देर सबेर पुल तैयार अछि। उदघाटनक बाद जखन मिथिलाक लोक एहि पुल स एहि पार स ओहि पार चल आबि जेताह तखन ओ विश्‍वास कायम होएत जे पिछला 70 साल स खत्‍म भ चुकल छल। 1934 क बाद इ एकटा सपना बनि गेल छल। एकटा पुल समाज मे केतबा परिवर्तन आनत इ त समय कहत, मुदा इ तय अछि जे इ पुल समाज कए एकटा एहन बाट पर ल जाएत जाहि ठाम विश्‍वासक अकाल आ निराशाक बाढि स लोक कए मुक्ति भेटत।
विश्‍वासक अकाल आ निराशाक बाढि केवल बाट खुजला आ पुल बनला स नहि खत्‍म भ सकेत अछि। एकरा लेल विकास चाही आ विकास लेल उद्योग। मिथिला मे बंद उद्योग क कमी नहि अछि। बंद उद्योग क बीच नव उद्योग क स्‍थापना पर विश्‍वास करब ककरो लेल मुश्किल छल। प्रस्‍तावक सूची झूठक पूलिंदा जेकां लगैत छल आ सब किछु सामने रहलाक बावजूद विश्‍वास शरीर स कोसो दूर भगैत छल। दलान पर बहस गरम छल आ लोक एक दोसर स समान प्रश्‍न करैत देखा रहल छल। बहस क बीच मे कोनो योजनाक कागज स जमीन पर उतरबा मे केतबा समय लागत एकर अनुमान करबा स सब चुप भ जाइत छल।
20 अक्तूबर 2010 कए जखन 5.5 एकड़ जमीन लावानिया फिनबिस्ट प्राइवेट लिमिटेड क नाम पर आवंटन भेल त सब एकरा एकटा कागजी प्रक्रिया स आगू किछु मानबा लेल तैयार नहि छल। बियाडा क एहि घोषणा पर विश्‍वास करब कठिन छल जे 36 करोड़ क लागत स पारले जी बिस्कुट क प्लांट दू साल मे तैयार करि लेत। पलायन करैत मजदूर कए देखि इ सबस पैघ झूठ लगैत छल जे एहि प्लांट स लगभग पांच सौ लोक कए रोजगार भेटत। 16 नवंबर 2010 स जखन प्लांट बनब शुरू भेल त किछु विश्‍वासक ईंट जमा भेल। आइ प्‍लांट तैयार अछि। पाथर पर दुईब उगैत देखि कतेको लोकक आंखी नोरा गेल। सब किछु ठीक रहल त 12 दिसंबर कए उत्‍पादन शुरू भ जाएत। प्लांट क डायरेक्टर संजीव ठाकुर क कहब अछि जे लावानिया फिनविस्ट प्राइवेट लिमिटेड कंट्रैक्ट मैनुफेक्चरिंग (सीएम) यूनिट क रूप मे काज करत। 12 दिसंबर कए प्‍लांट क पहिल चरण शुरू होएत। पहिल चरण मे दो हजार टन प्रति मास बिस्कुटक उत्पादन होएत। अगिला साल दूटा आओर चरण चालू भ जाएत। तीनू चरण चालू भेलाक बाद एहि प्लांट स पांच हजार टन बिस्कुटक उत्पादन होएत। एतबा भेला स इ विश्‍वास त भ जाइत अछि जे आइ पारले जी बिस्कुट गोरखपुर, बनारस आ कानपुर में बनैत अछि आ मिथिला में आपूर्ति होइत अछि, मुदा आब मुजफ्फरपुर मे बनत आ एहि ठाम स निर्यात होएत।

Tags: Biharkosimithilamuzaffarpur

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

तैयार भ गेल डीपीआर

दियारा मे भेटत गोवाक आनंद

Esamaad Epaper Website

देवघर स उड़ान भरबाक रास्ता साफ

Comments 2

  1. Dr. Shashidhar Kumar says:
    13 years ago

    आइ स करीब आठ साल पहिने एकटा विद्वान कहने छलाह जे निराशाक कोठली मे कैद मिथिलाक जनता लेल कोनो घोषणा तखन धरि सार्थक नहि भ सकैत अछि जखन धरि को भौतिक रूप स सामने नहि आबि जाए। इ अविश्‍वास आजादीक बाद देल गेल सरकारी धोखा स पैदा भेल अछि ताहि लेल एकर आलोचना नहि भ सकैत अछि। इ अविश्‍वास सरकारी स्‍तर पर काज भेला स स्‍वत: समाप्‍त भ जाएत।

    विश्‍वासक अकाल आ निराशाक बाढि केवल बाट खुजला आ पुल बनला स नहि खत्‍म भ सकेत अछि। एकरा लेल विकास चाही आ विकास लेल उद्योग। मिथिला मे बंद उद्योग क कमी नहि अछि।

    बहुत नीक लेख कुमुद जी ।

    Reply
  2. Vikas Thakore says:
    13 years ago

    बहुत नीक लेख कुमुद जी…. दिसंबर २०११ विशेष छै

    मिथिला/मैथिली के चर्चा में दड़िभंगा, मुधुबनी, सहरसा ई॰ के गप्प आम बात छै ।
    जे कखनो मुजफ्फरपुर चाहे देवघर परि नज़र पड़ैय त आश्चर्य (सुखद) होईय ।
    घुर-फिर क कहियो-कहियो मुजफ्फरपुर के भी मिथिलाक आंग होबेक एहसास देया दियौ । नञि त ..

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि