• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

असंगठित क्षेत्र क श्रमिक कए अनुदान देनिहार पहिल राज्‍य बनल बिहार

August 18, 2011
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना। बिहार देश क पहिल राज्य बनि गेल जतए असंगठित क्षेत्र क श्रमिक कए साइकिल, औजार आ गृह निर्माण लेल नकद पंद्रह हजार टका विशेष अनुदान क रूप मे देल जा रहल अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार बुधदिन एहि योजना क शुभारंभ केलथि। स्थानीय एसके मेमोरियल हाल मे कामगार क गृह निर्माण, औजार आ साइकिल क्रय हेतु विशेष अनुदान योजना क उद्घाटन क मौका पर ओ कहलथि जे दस लाख टका स बेसी क काज करि रहल निजी निर्माण कंपनी कए सेहो आब निबंधन अनिवार्य कैल जा रहल अछि। एहन कंपनी कए अपन कुल बजट क एक प्रतिशत कामगार कल्याण कोष कए देबाक अछि। ओहि राशि स श्रमिक क हित लेल योजना चलत। उद्घाटन समारोह मे उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी, श्रम संसाधन मंत्री जनार्दन सिंह सिग्रीवाल आदि उपस्थित छलाह।
मुख्यमंत्री कहला जे सबस बेसी जरूरत असंगठित क्षेत्र क मजदूर क स्थिति सुधारबाक अछि, कियाकि नब्बे फीसदी स बेसी मजदूर असंगठित क्षेत्र मे छथि। योजना क चर्चा करैत ओ निर्माण क्षेत्र मे लागल कामगार स अपील केलथि जे ओ बेसी स बेसी निबंधन कराबथि आ अनुदान क लाभ लथि। ओ कहला जे आरंभ स हुनकर इ सोच रहल अछि जे दू सांझ क रोटी लेल कियो बिहार स बाहर कमेबा लेल नहि जाई। हां दौलत कमेबा लेल बाहर जरूर जेबाक चाही। मुख्यमंत्री कहला जे इ सेहो सच अछि जे मुंबई मे आकाश चूमैत इमारत बगैर बिहारी मजदूर कए नहि बनि सकैत अछि। भूटान यात्रा क दौरान हुनका इ जानकारी सेहो भेटल जे ओहि ठाम सेहो बिहारी मजदूर भवन निर्माण क काज मे जुटल छथि। मुख्यमंत्री एहि गप पर जोर देलथि जे हमरा सब कए भूकंपरोधी मकान बनेबा क तकनीक सिखबाक चाही। ओ कहला जे विकास क मतलब इ अछि जे सौ टका क आमदनी बढि कए दू सौ टका भ जाए। उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी कहला जे कामगार कल्याण कोष मे त सरकार दिस स पैघ सेस राशि जमा भ रहल अछि किया कि 17 स 18 हजार करोड़ क निर्माण कार्य सरकारी स्तर स भ रहल अछि। श्रम मंत्री सिगी्रवाल कहला जे एहि योजना क लाभ इ होएत जे बहुत मजदूर आब मिस्त्री भ सकैत छथि किया कि औजार कीनबा लेल हुनका टका सरकार द रहल अछि।

Tags: नीतीशपटनाबिहारमजदूरश्रम

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

आंगुर पर नचैत विधाता

Esamaad Epaper Website

आकाश भेल अप्‍पन, जल्द शुरू होएत दरभंगा आ पूर्णिया स हवाई सेवा

Esamaad Epaper Website

आब यू-ट्यूब पर देख सकैत छी बिहारक घूसखोर कए

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि