पटना। भ्रष्टाचार क खिलाफ जारी जंग क दायरा मे आंगनबाड़ी केंद्र सेहो आबि गेल। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क अध्यक्षता मे भेल समाज कल्याण विभाग क समीक्षा बैठक मे तय भेल जे एहि केंद्र सब कए आब नकद क बजाय तैयार आहार देल जाएत। सरकार एहि लाईन पर तैयारी शुरू करि देलक अछि। बैठक मे एहि मुद्दा पर विशेष रूप स चर्चा भेल। बैठक मे समाज कल्याण मंत्री परवीन अमानुल्ला, विभाग क प्रधान सचिव बीके वर्मा आ महिला विकास निगम क प्रबंध निदेशक एन विजयलक्ष्मी कए मुख्यमंत्री कईटा टास्क सौंपलथि। एखनधरि आंगनबाड़ी केंद्र कए बच्चा क पौष्टिक भोजन क लेल प्रति माह नगद राशि देल जाइत अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आंगनबाड़ी केंद्र मे काज केनिहार बच्चा क लेल ड्रेस देबाक प्रक्रिया आओर तेज करबा लेल कहलथि। ज्ञात हुए जे हुनका लेल आसमानी रंग क कमीज आ ब्लू रंग क हाफ पैंट या फेर स्कर्ट देल जा रहल अछि। एहि योजना क क्रियान्वयन लेल 91 करोड़ टका तय अछि मुदा एखन धरि महज आठ करोड़ टका निर्गत भेल अछि। तीन घंटा तक चलल एहि बैठक मे सामाजिक सुरक्षा पेंशन योजना, अनुग्रह अनुदान योजना, निरूशक्तता कल्याण योजना, निराश्रित पुनर्वास योजना, नशा विमुक्ति आ पुनर्वास योजना आओर महिला विकास निगम द्वारा संचालित मुख्यमंत्री नारी शक्ति योजना आ मुख्यमंत्री कन्या सुरक्षा योजना आदि क सेहो समीक्षा कैल गेल।