पटना। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला अछि जे आर्यभट्ट क नाम पर तारेगना मे खगोल विद्या स संबंधित शोध संस्थान खेलबाक एकटा आइडिया जरूर अछि, मुदा इ प्रस्ताव नहि अछि। विधान परिषद मे नीरज कुमार क एकटा तारांकित सवाल क जवाब दैत ओ तारेगना मे ऐतिहासिक सूर्य ग्रहण कए याद करैत कहला जे हम ओहि ठाम नवनिर्मित अस्पताल क छत स ओ अभूतपूर्व दृश्य देखबा लेल गेल रहीे..।
मुख्यमंत्री कहला जे ओकर बाद एहन आइडिया आयल छल, जाहि पर आगू काज करबाक अछि। नीतीश कहला जे तारेगना टा नहि खगौल आ तारेगना टाप- जेकरा मिला कए एकटा ट्रेंिगंल (त्रिकोण) बनैत अछि, ओकरा आधार बना कए 1500 साल साल पहिने ओ ( आर्यभट्ट) खगोल गणना केने छलाह। एस्ट्रो टूरिज्म कए बढ़ावा देबा लेल आ आर्यभट्ट खगोल विद्या क बारे मे जे मौलिक ज्ञान आ स्थापना देलथि, ओहि स देश- दुनिया कए परिचित करेबा लेल आहि ठाम एकटा शोध सर्किट क आइडिया अछि आओर एहि काज कए हाथ मे लेबाक विचार सेहो अछि।
नीरज कुमार इ बुझबाक कोशिश केने दलाह जे सरकार आर्यभट्ट क नाम पर तारेगना मे खगोल विद्या स संबंधित शोध क निर्माण करए चाहैत अछि बा नहि? यदि हां, त कहिया धरि?
हरेन्द्र प्रताप पाण्डेय क एकटा सवाल क जवाब मे हालांकि कला, संस्कृति आ युवा विभाग क मंत्री सुखदा पाण्डेय कहलथि जे सदस्य की चिन्ता स्वागत योग्य अछि। खेल कए पिछला दशक स एकदम महत्व नहि भेटल अछि। 2005 स एहि दिस सरकारक ध्यान जा रहल अछि। पंजाब क पटियाला क भांति खेल- कूद विश्वविद्यालय केंद्र सरकार क अछि आ हम प्रयास करब जे ओकर एकटा शाखा बिहार मे सेहो खुलए।
चर्चा मे भाग लैत मुख्यमंत्री कहला जे पहिल बेर राष्ट्रीय खेल मे दर्जन भरि मेडल बिहार कए भेटल अछि, इ शुरूआती सफलता छी। हम सकारात्मक सोच स काज ली। सब चीज क दूटा पहलू होइत अछि। पहिल इ जे गिलास आधा खाली अछि आ दोसर इ जे गिलास आधा भरल अछि। हम देखैत छी जे गिलास आधा भरल अछि। फिलहाल जे किछु चलि रहल अछि, पर्याप्त नहि अछि। प्रतिभा उभारबाक काज शुरू भेल अछि। संभावाना बहुत अछि। एकटा राष्ट्रीय स्तर क प्रशिक्षण संस्थान, जाहि मे खिलाड़ी कए प्रशिक्षण देल जा सकए बिहार मे जरूरी अछि। कंकड़बाग मे एकटा स्टेडियम बनि रहल अछि। एकटा स काज नहि चलत। विभाग एहि पर विचार करए, प्रस्ताव तैयार करए, धनराशि क आवश्यकता पड़त त ओकर प्रबंध होएत। हम त चाहैत छी जे एहि पर एक दिन चर्चा भ जाए ताकि सबटा मांग आ प्रस्ताव एक ठाम जमा हुए, जाहि पर सरकार आगू जेबाक बाट तैयार कए सकए।