नई दिल्ली। इंटरकांटिनेंटल होटल समूह (आईएचजी) आम्रपाली समूह क संग मिलकए हॉलीडे इन एक्सप्रेस ब्रांड क शुरूआत केलक अछि। एहि ब्रांड क होटल सीमित सेवा श्रेणी क होएत। दूनू कम्पनीक बीच भेल समझौता क मुताबिक आईएचजी देश भरि मे हॉलीडे इन इा हॉलीडे इन एक्सप्रेस ब्रांड क छहटा होटल क प्रबंधन करत।
इ छहटा होटल 2013 स 2015 क बीच नोएडा, इंदौर, जयपुर, कोच्ची आ पटना मे बनिकए तैयार होएत। एहि मे स प्रत्येक मे कम स कम 150 स 200 कोठली होएत। रियल्टी कम्पनी आम्रपाली क अध्यक्ष अनिल कुमार शर्मा समूह क होटल कारोबार मे प्रवेश करबाक पर कहला जे तेजी स बढै़त भारतीय अर्थव्यवस्था मे पैघ संख्या मे होटल क जरूरत अछि। एकरा देखैत एकर संख्या बढेबाक इ बिल्कुल मुफीद समय अछि।
इ सबटा होटल भारतीय मध्य वर्ग क पर्यटक कए ध्यान मे राखिकए बनाउल जा रहल अछि। इ सीमित सेवा श्रेणी क होटल होएत। जे कम कीमत पर अंतरराष्ट्रीय स्तर क सेवा देत। एहि मे एकटा कोठलीक किराया प्रति राति क लेल तीन हजार स साढ़े पांच हजार टकाक बीच होएत। होटल क कोठली क संख्या क मामले मे आईएचजी दुनिया क सबस पैघ होटल समूह अछि। एखन भारत मे एकर 12टा होटल चलि रहल अछि।