दरभंगा/पटना/ नई दिल्ली । आखिर आकाश अप्पन भ गेल। एकटा सपना छल जे अक्टूबर मे पूरा भ जाएत। दरभंगा, पूर्णिया, गया आ पटनाक बीच हवाई सेवा अक्टूबर क अंत तक उपलब्ध भ जाएत। एहि गप क जानकारी स्प्रीट एयर लाइन क पटना एयर पोर्ट मैनेजर सुरेश प्रसाद इसमाद स एकटा विशेष चर्चा में देलथि अछि। प्रसाद कहला अछि जे केंद्र सरकार स पटना हवाई अडडा जहाज रखबा लेल स्थान आ अनुमति भेट गेल अछि आ छह सितंबर कए जर्मनी स विमान दिल्ली पहुंच गेल। किछु कागजी प्रक्रिया पूरा केलाक बाद 20 दिन मे जहाज पटना आबि जाएत। प्रसाद कहला जे किछु व्यावहारिक तैयारी क बाद उम्मीद अछि जे 15 स 30 अक्टूबर तक बिहार क चारिटा शहर हवाई सेवा स जुडि जाएत। प्रसाद कहला जे एखन दरभंगा, पटना, पूर्णिया आ गया स इ सेवा उपलब्ध रहत। प्रसाद क अनुसार कंपनी भागलपुर लेल सेहो प्रयासरत छल मुदा राज्य सरकार भागलपुर मे विमान उतारबा लेल 63 हजार टका मांगि रहल अछि जखन कि दरभंगा आ पूर्णिया मे विमान उतारबा लेल भारतीय वायुसेना केवल नौ हजार टका ल रहल अछि। प्रसाद कहला जे दिल्ली आ कोलकाता एखन जोडब संभव नहि अछि मुदा बगलक राज्य झारखंडक दूटा शहर रांची आ जमशेदपुर सेहो एहि सेवा स जुडि जाएत। ज्ञात हुए जे इ कंपनी पिछला साल सेहो एहन प्रयास केने छल मुदा तकनीकी कारण स सफल नहीं भ सकल। एकर बाद लोक एहि सेवा कए लकए नाउम्मीद भ चुकल छल। महाराज दरभंगा क दरभंगा एयरलाइंसक बाद इ पहिल मौका छल जखन कोनो निजी कंपनीक सेवा दरभंगा हवाई अड्डा स शुरू हुए जा रहल अछि।
देर आये दुरुस्त आये क कहावत कए चरितार्थ करैत स्प्रीट एयर लाइन यात्री क बढैत संख्या कए देखैत अपन तीन सीटर क स्थान पर दस सीटर विमान उतारि रहल अछि। नव सेवा कई मायने मे फायदेमंद साबित भ सकैत अछि। तीन क जगह 10 यात्री कए लकए उड़ान भरला स विमान किराया कम भ सकैत अछि, आ पटना क अलावा महानगर क लेल सेहो सेवा आरंभ हेबाक संभावना बढ़त। यात्री कए सामान लकए चलबा मे सेहो सहूलियत होएत। सुरेश प्रसाद कहलथि अछि जे एकरा लेल जर्मनी क एकटा कंपनी स भाड़ा पर विमान लेल गेल अछि, जे दिल्ली पहुंच चुकल अछि। दिल्ली स विमान एलाक बाद समय सारणी आ आन तरहक जानकारी उपलब्ध करा देल जाएत। उम्मीद अछि जे एहि माह मे सब किछु तय भ जाइत आ अगिला माह विमान उपलब्ध भेला पर तिथि घोषित करि देल जाएत। प्रसाद कहला जे सरकार अगर मदद करए त भगलपुर आ मुजफ्फरपुर स सेहो इ सेवा शुरू भ सकैत अछि। हालांकि मुजफ्फरपुर जिला प्रशासन क दिस स हवाई अड्डा कए उड़ान लायक बनेबा लेल आहूत बैठक बेर-बेर टलला स स्प्रीट एयर लाइन निराश अछि। पटना एयर पोर्ट मैनेजर श्री प्रसाद कहैत छथि जे अगर मुजफ्फरपुर क एयर पोर्ट दुरुस्त भ जाए त सीधा कोलकाता, मुंबई क लेल सेहो सेवा शुरू करबा क विचार भ अछि।
Bahut Bahut badhai aa dhnyabaad esamaad.com ke ete nik samachaar ke lel 🙂
Bah bahut neek samachar acchi, mon prasann bhae gel.
बहुत प्रशन्नताक गप्प ।
बहुत नीक समाद देल अपने ।
एहि समादक चिरप्रतिक्षा रहए, आ लगैत छल जे शायद कहियो नञि भेटत ।
अपने केँ, भारतिय वायुसेना केँ आ स्प्रीट एअरलाइंस केँ हार्दिक शुभकामना आ संगहि धन्यवाद ।
आ रहल टाँग घिचबाक गप्प, से ओ तऽ अवश्ये कि ने बिहारक पुराण गुणधर्म जे थिक आ तकरे फल एखनहु भोगि रहल अछि बिहार ।
लोक अप्पन उन्नतिक लेल विचार आ प्रयत्न नञि करत, पर दोसराक अवनति करबाक हेतु सतत् विचारशील प्रयत्नशील रहत ।
उदाहरणक लेल बिहारक नामे रेल्वे द्वारा बहुते रास परियोजना सभ घोषित भेल जकरा देखि आन आन प्रांत सभ केर भौंह तनि गेलैक, पर यथार्थ मे बहुत कम्महि परियोजना पूरा भेलैक । कारण अपनहि राज्यक बाद मे आबय वाला रेल मण्त्री पहिलुका द्वारा घोषित परियोजना सभ केँ बन्न कऽ देलक, नवीन परियोजना घोषित कयलक ओकरा अगिला मण्त्री बन्न कऽ देलक आ चक्र – कुचक्र चलैत रहल ।
wah wah wah, mon gad gad bhai gel….. Sab gotay ke bahut bahut dhanyabad…. Mithila desh mahan, gaaun mili sab akre gun gaan….. Mithila desh mahan.
एहि सँ यातायातक सुविधा बढ़त।
Asim prasannta bhel , MITHILA RAJYA dis badhait pahiluk mahatwpurn deg…………..badhaai…
July ta aabi gel ……………… aab kahiya ?
grt news. I am really enthusiastic for Bihar.
vahut vahut subh samachar aichi….
E ta bad nik samachaar aichh Darbhanaga aa Mithilawasi la. Dhanyawaad pag-pag par update dey la.
waah… bahut neek hoyat…
Man harkhit bha gel… company ke subhkamna