केन्द्र कोसी क पुनर्वास क लेल दिए 14,800 करोड़ क पैकेज
पटना । बिहार क मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केन्द्र सरकार स कोसी क पुनर्वास आ पुनर्निर्माण क लेल 14,800 करोड़ टका रुपए क राशि देबा क अपन मांग फेर स दोहरेलथि अछि। नीतीश पूर्वी चंपरण क बंजरिया प्रखंड स्थित सिसवनिया गाम मे बूढी गंडक नदी पर निर्मित जटवा पुल क उद्घाटन क बाद पत्रकार स गप करैत छलाह। नीतीश कहलथि जे केन्द्र सरकार द्वारा बुंदेलखंड कए सूखा स निबटबा लेल 7266 करोड़ टका क विशेष पैकेज देबाक स्वागत केलथि। ओ कहला जे केन्द्र सरकार कए बिहार क कोसी इलाका मे प्रलयंकारी बाढ स प्रभावित पांच लाख परिवार कए पुनर्वास आ पुनर्निर्माण क लेल सेहो मांगल गेल पैकेज क तत्काल स्वीकृति प्रदान करबा चाही । मुख्यमंत्री कहला जे प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह कोसी त्रासदी कए ‘राष्ट्रीय आपदाÓ घोषित केने छलाह आ हुनकर निर्देश पर एससी झा क अध्यक्षता मे गठित टास्क फोर्स सेहो कोसी क पुनर्वास आ पुनर्निर्माण क लेल विशेष पैकेज देबाक अनुशंसा केने छल। ओ अफसोस जाहिर करैत कहला जे एहि सबहक बावजूद एक वर्ष स बेसी समय बीत जेबाक बावजूद केन्द्र बिहार कए विशेष पैकेज देबा लेल कोनो कार्रवाई नहि केलक अछि। मुख्यमंत्री कुमार झारखंड क सिंहभूम जिला क पुसैता क निकट नक्सली द्वारा बम विस्फोट करि टाटा-बिलासपुर पैसेंजर ट्रेन कए दुर्घटनाग्रस्त करबा क घटना क तीव्र निंदा करैत कहला जे एहि घटना मे यदि कोनो आओर तत्व शामिल अछि त एहन तत्व क विरूद्ध कड़ी कार्रवाई हेबाकचाही। ओ कहला जे पूरा देश मे एक लाख 10 हजार किलोमीटर रेल ट्रैक अछि आ हर एक किलोमीटर पटरी क सुरक्षा संभव नहि अछि।