पटना । राज्य मे फिरौती क लेल बढ़ि रहल अपहरण क वारदात स निपटबा लेल स्पीडी ट्रायल करेबाक फैसला लेल गेल अछि। एकर अलावा अपहरण क मामला कए नियंत्रित करबा लेल स्पेशल ऑपरेशन ग्रुप क सेहो गठन कैल जाएत। डीजीपी नीलमणि कहला जे दियारा क्षेत्र मे एहि तरह क बेसी अपराध होइत अछि। एहि पर नियंत्रण क लेल राज्य मे अठारह रिवर पुलिस स्टेशन शुरू कैल जा रहल अछि। पांच रिवर पुलिस स्टेशन स्वीकृत सेहो भ गेल अछि। डीजीपी कहला जे फिरौती क लेल भ रहल अपहरण पर पुलिस क विशेष नजरि अछि। ओना 2010 मे फिरौती क लेल भेल अपहरण क घटना मे कमी दर्ज भेल अछि। 2004 मे 411, 2005 मे 251, 2006 मे 194, 2007 मे 89, 2008 मे 66 आ 2009 मे फिरौती क लेल 80 अपहरण क मामला दर्ज भेल अछि, जखनकि 2010 मे इ संख्या 73 रहल।