पटना। गांधी सेतु कए नव जीवन देबा लेल आब एनएचएआइ प्रयास करत। ऐहि पुलक जिम्मा आब ओकरा सौंपल जा रहल अछि। पथ परिवहन राजमार्ग मंत्रालय क अधिकारी क स्तर पर भेल बैठक मे इ फैसला लेल गेल अछि। एनएचएआई कए मंत्रालय क बैठक क मिनट्स पठा देल गेल अछि मुदा एनएचएआइ एहि संबंध मे एखनधरि कोनो अधिसूचना जारी नहि केलक अछि। ओना जापान इंवेस्टमेंट कारपोरेशन (जाइका) क टीम सेहो दू तीन दिन पूर्व गांधी सेतु क विभिन्न हिस्सा क निरीक्षण केलक अछि। ज्ञात हुए जे पुल पर मरम्मत क संबंध मे पथ निर्माण विभाग केंद्र स एनओसी क मांग करि रहल छल। हाल मे पथ परिवहन आ राजमार्ग मंत्रालय क महानिदेशक गांधी सेतु क निरीक्षण केने छलाह। तखन एहि गप पर सहमति बनल छल जे गांधी सेतु क सुपर स्ट्रक्चर कए तोडल जाएत। एकर बाद गांधी सेतु मसला पर भेल आला अधिकारी क बैठक मे इ फैसला लेल गेल जे पुल क नवनिर्माण क काज एनएचएआइ क देखरेख मे कराउल जाएत। एनएचएआई कए आब इ यह तय करबाक अछि गांधी सेतु क मरम्मत कोन सिस्टम स कराउल जाएत। गांधी सेतु कए दुरुस्त करबा लेल पथ निर्माण विभाग पुल क्षेत्र क अंतरराष्ट्रीय विशेषज्ञ स एकटा रिपोर्ट बना ओकर आधार पर मरम्मत क बजट पथ परिवहन आ राजमार्ग मंत्रालय कए पठेने छल। ओहि रिपोर्ट मे एहि गप क जिक्र छल जे बेर-बेर क मरम्मत क जगह पर एक बेर मे पूरा पुल क मरम्मत क योजना पर काज हेबाक चाही। एकर बाद गांधी सेतु क मरम्मत पर केंद्र क स्तर पर आधिकारिक रूप स कोई महत्वपूर्ण कार्य नहि भ सकल अछि।