पटना। बिहार क घोषणा मंत्री अश्विनी कुमार चौबे कहला अछि जे वित्तीय वर्ष 2011-12 मे राज्य क सब बच्चा कए स्वास्थ्य बीमा भेलाक बाद कमजोर आर्थिक आ सामाजिक पृष्ठभूमि क लोकक सेहो स्वास्थ्य बीमा योजना शुरू करबाक योजना अछि। ओ कहला जे एकर रुपरेखा तैयार करि लेल गेल अछि।
राज्य क स्वास्थ्य मंत्री क कहब अछि जे भारत क दक्षिणी राज्य मे लागू एहि योजना क कार्य प्रणाली क अध्ययन कैल जा रहल अछि। संभवतः अगिला वित्तीय वर्ष तक एकरा बिहार मे लागू कैल जाएत।
ओ कहला जे एहि योजना क तहत अनिवार्य दवा क सूची तैयार करि ओकरा बिहार मेडिकल सर्विसेज आ आधारभूत संरचना विकास निगम क माध्यम स उपलब्धता सुनिश्चित कराउल जाएत। चौबे कहला जे आवश्यकता अनुसार राज्य सरकार जनता कए हुनकर आर्थिक आय आ सामाजिक पृष्ठभूमि क आधार पर प्रीमियम क सुविधा सेहो उपलब्ध कराउत। ज्ञात हुए जे आइ स राज्य मे शून्य स 14 वर्ष क तीन करोड़ चालीस लाख बच्चा कए स्वास्थ्य क जांच लेल नई पीढ़ी स्वास्थ्य गारंटी कार्यक्रम क तहत हेल्थ-कार्ड उपलब्ध कराउल जा रहल अछि। एहि हेल्थ कार्ड कए बाद मे डिजिटलीकृत कैल जाएत, जाहि मे एकटा चिप मे धारक क स्वास्थ्य क बारे मे सबटा आकड़ा उपलब्ध रहत। 22 मार्च स शुरू भेल इ कार्यक्रम दू अक्तूबर तक चलत।