मुजफ्फरपुर । इजराइली तकनीक स परवल क खेती करि चर्चा मे आयल साहेबगंज क धरमपुर राम गाम क किसान आब सरकारी आ सहकारी बैंक क सहारे नहि रहताह। गाम मे हुनकर अपन किसान बैंक होएत। एहि बैंक स हुनका न केवल नकद राशि उधार क रूप मे भेटत, बल्कि अन्य कृषि उपादान सेहो उपलब्ध कराउल जाएत। देश भरि मे पसरल कृषि विशेषज्ञ क सलाह सेहो मोबाइल क माध्यम स किसान कए उपलब्ध कराउल जाएत। बैंक क संचालन गाम क किसान क हाथ मे होएत। तत्काल एक लाख टका क जमा पूंजी स एहि बैंक क शुभारंभ कैल गेल अछि। इ पूंजी लखनऊ क संस्था नेटवर्क ऑफ इंटरप्रेन्योरशिप एण्ड इकोनॉमी (नीड) उपलब्ध कररैलक अछि। सरकारी आ सहकारी बैंक क लालफीताशाही स तंग भ गाम क लगभग 250टा किसान अपन बैंक खोलबाक निर्णय लेने छलाह।