पटना। बिहार क नव राजकुमारी राजकुमारी देवी कए आब घर-घर जाकए शौचालय क सफाई नहि करै पड़त आ नहि आब कलवतिया कए माथ पर मैला ढोए पड़त। इ आ हिनका सन कई टा महिला आब सरकारी ऋ ण क सहायता स अपन उद्यम शुरू करबाक निर्णय लेलथि अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार द्वारा मैला ढोहनिहारि आ हुनकर आश्रित क पुनर्वास क लेल आवंटित ऋ ण एहि महिला लोनिक सपना साकार करि देलक अछि। पटना क मुसहरी टोला निवासी राजकुमारी कहैत छथि जे लोकक घर मे जाकए शौचालय क सफाई करब हुनकर मजबूरी छल। पेट क लेल ओ एहि तरह क काम करैत छलीह। ओ कहलथि जे आब ओ तरकारी क दुकान खोलिकए अपन परिवार क पेट भरतथि। दोसर दिस, काठपुल मंदिरी इलाका क निवासी कलवतिया सेहो एहि ऋ ण क उपयोग कोनो रोजगारपरक काज मे लगेतीह। ओ कहलथि जे किछु भ जाए आब मैला त नहि उठायब। एहने कहानी बुजुर्ग कामेश्वर राम क सेहो अछि। ओ कहला,’हमर जीवन क शुरुआत मैला उठेबा स भेल छल। हमरा डर छल जे मौत सेहो एकरे संग भ जाइत, मुदा आब जीवन क अंतिम पड़ाव मे हम फल आ तरकारीक दुकान शुरू करि कए इज्जत क जिंदगी व्यतीत करब।। उल्लेखनीय है कि गुरुवार कए मुख्यमंत्री मैला उठेनिहाहार आ हुनकर आश्रित क पुनर्वास क लेल 4,515 लोक क बीच 30-30 हजार टका क राशि क चेक आवंटित केलथि छलाह।