पटना। बिहार मे पर्यटक क संख्या मे लगातार बढोतरी भ रहल अछि। मुदा पर्यटन विभाग एकटा नव समस्या क निराकरण मे जुटल अछि। विभाग लग इ एकटा पैघ समस्या अछि जे पर्यटक दिन मे त विभिन्न जगहक भ्रमण करैत छथि मुदा सांझ हुनका लेल भारी भ जाइत अछि, सांझ मे हुनकर मनोरंजन क कोनो खास व्यवस्था राजधानी मे नहि अछि। एहि समस्या क निराकरण लेल विभाग लेजर शो स सांझ मे पर्यटक क मनोरंजन करबाक योजना पर काज शुरू क देलक अछि। विभाग क कहब अछि जे आब पटना मे सेहो लेजर शो क रोमांच भेटत। लेजर शो क माध्यम स अतीत क संग-संग आधुनिकता क सेहो समावेश देखेबा लेल बिहार सरकार आब तैयार अछि। एकरा लेल गोलघर कए नव रूप देल जा रहल अछि। गोलघर क पूरा प्रांगण स्वरलहरी स गुंजायमान भ रहल अछि आ एहि मे रंग-बिरंगा फव्वारा क बीच झिलमिलाइत रोशनी आकर्षक दृश्य उपस्थित करबा लेल लगाउल जा रहल अछि। पर्यटन विभाग क मंत्री सुनील कुमार पिंटू क अनुसार ऐतिहासिक लाल किला क तर्ज पर सांझखन एहि ठाम सेहो लेजर शो क संग लाइट एंड साउंड सिस्टम क माध्यम स गोलघर क इतिहास क अलावा बिहार क अतीत कए जानकारी देल जाएत। एकरा थ्री-डी प्रोजेक्शन आ विडियो इमेजिंग क संग देखाउल जाएत। ओ कहला जे पर्यटक लगभग 150 वर्ष पूर्व ब्रिटिश काल मे बनल ऐतिहासिक गोलघर क अलावा पटना क गंगा तट क महेंदू, राजगीर क पांडु पोखर आ बोधगया मे लेजर शो क आनंद ल सकताह। ओ कहला जे एकरा लेल काज शुरू भ चुकल अछि। अगिला चारि मास मे इ आम लोक लेल उपलब्ध भ जाएत। मंत्री कहला जे पटना संग्रहालय कए सेहो बेहतर बनाउल जा रहल अछि। आब एहि संग्रहालय मे पर्यटक कए ऑडियो टूर सिस्टम क तहत इयर फोन उपलब्ध कराउल जा रहल अछि। पर्यटक जाहि कलाकृति क संबंध मे जानकारी चाहता ओकरा लग अंकित नंबर कए दबा देला पर मनपसंद भाषा मे ओहि कलाकृति क विस्तृत जानकारी इयर फोन क माध्यम स भेट जाएत।