पटना । अकबर क काल मे बिहार अपन गाछी लेल विख्यात छल। एक लाख आमक गाछ स सुसज्जित गाछीक चर्चा त अकबरनामा मे सेहो दर्ज अछि। बिहार सरकार एक बेर फेर बिहारक गाछी कए सुसज्जित करि
पर्यटक क लेल तैयार करबाक योजना बना रहल अछि। कृषि क्षेत्र कए बढ़ावा देबाक संगहि बागवानी कए पर्यटन क केन्द्र बनेबा क योजना अछि। पर्यटक कए लीची, केला आ आम क गाछी दिस आकर्षित कैल जाएत। गाछी मे पर्यटक गाछ स सीधा फल खेबाक आनन्द प्राप्त करि सकताह।
राज्य मे विभिन्न जिला कए फल उत्पादन क लेल चयनित कैल गेल अछि। चयनित जिला मे समूह मे गाछी लगाउल जा रहल अछि। एकरा लेल बागवानी मिशन क तहत अनुदान क सेहो प्रावधान कैल गेल अछि। बागवानी दिस पर्यटक कए आकर्षित हेबा स किसान कए अपन उत्पाद क अधिकाधिक लाभ भेट सकत आ प्रदेश क बाहर ब्रांडिंग सेहो होएत। आम कए मंजर लगैत विक्रेता द्वारा अग्रिम क्रय आदेश देल जाएत आ किसान कए तकनीकी ज्ञान सेहो उपलब्ध कराउल जाएत। विकास कए लकए प्रदेश क छवि मे सुधार क लाभ उठेबा लेल ग्रामीण क्षेत्र सेहो उत्सुक अछि। पर्यटन विभाग क अनुसार पर्यटक क संख्या मे लगातार वृद्धि भ रहल अछि। 2009 क तुलना मे 2010 मे 69,871 पर्यटक अधिक पहुंचलाह। विदेशी पर्यटक क संख्या 2004 मे 38,118 छल जे 2010 मे बढ़िकए 4 लाख 92 हजार भ गेल अछि। जे लगातार बढि रहल अछि। एखन विदेशी पर्यटक मुख्य रूप स बोधगया, नालन्दा, राजगीर आ पटना क भ्रमण करैत छथि। हिनकर भ्रमण क दायरा बढ़ेबा लेल पर्यटन क्षेत्र क विस्तार योजना मे बागवानी पर्यटन कए शामिल कैल गेल अछि।