पटना। पांचटा पहाड़ी स घिरल राजगीर क घोड़ा-कटोरा आब पर्यटन मानचित्र पर आबि जाएत। राजगीर क रोपवे स आठ किलोमीटर घनघोर जंगल क रास्ता स गेला पर तीनटा पहाड़ी क बीच अवस्थित अछि घोड़ा कटोरा क झील। एखन धरि पर्यटक स दूर रहल इ स्थल आब घरेलू आ विदेशी पर्यटक क लेल खोलल जा रहल अछि। पर्यटन विभाग क प्रधान सचिव आ बिहार राज्य पर्यटन विकास निगम क अध्यक्ष सह प्रबंध निदेशक दीपक कुमार एकरा अंतिम रूप देबा मे लागल छथि। सब किछु ठीक रहल त मुख्यमंत्री नीतीश कुमार 27 जनवरी कए घोड़ा-कटोरा कए पर्यटक क लेल खोलबाक घोषणा करताह। एहि ठाम पेट्रोलियम पदार्थ स चलैवाला वाहन नहि जा सकत। एहि ठाम पहुंचबा लेल पर्यटक कए साइकिल या टमटम क सहारा लेब जरूरी अछि। पर्यटन विभाग आओर पर्यावरण आ वन विभाग क अधिकारी एहि स्थल कए इको फ्रेंडली बनेबा लेल प्रयास करि रहल छथि। घोड़ा कटोरा जेबा लेल राजगीर क रोपवे लग केवल टमटम आ साइकिल भेटत। पर्यटन विभाग क टमटम या साइकिल लेल पर्यटक स कोनो शुल्क नहि लेत। पर्यटन निगम प्रथम चरण मे दसटा साइकिल आ सातटा टमटम चलेबाक व्यवस्था केलक अछि। घोड़ा-कटोरा जेबा लेल कच्ची सड़क पर मोरम डालल गेल अछि। बाट पर चलंत शौचालय, खेबा-पीबा लेल अस्थाई फूड प्लाजा क व्यवस्था सेहो अछि। पर्यटक क सुविधा क लेल रोपवे स लकए घोड़ा-कटोरा तक साइन बोर्ड लागल अछि। झील मे सैर करेबाक लेल दूटा पैडल बोट सेहो राखल गेल अछि।