मुजफ्फरपुर । बंदूक क बल पर अपन गप मनबालेनिहार हाथ आब बकरी आ मुर्गी पालन करि जीवन यापन करत। इ पहल ओना त राज्यक सबटा जिला में शुरू भ रहल अछि, मुदा एकर शुरूआत मुंगेर जिला स भ रहल अछि। एहि ठाम माडल सफल रहल त तिरहुत प्रमंडल क शिवहर, पूर्वी चंपारण, सीतामढ़ी आ मुजफ्फरपुर मे इ कवायद होएत। राज्य मे नक्सल समस्या स निपटबा लेल राजेन्द्र कृषि विश्वविद्यालय पूसा आ बिहार कृषि विश्वविद्यालय सबौर इ योजना बनेलक अछि। एहि दूनू विश्वविद्यालय क कुलपति डॉ एमएल चौधरी कहैत छथि जे एहि नव प्रोजेक्ट पर काज शुरू भ गेल अछि। पुलिस प्रशासन क नजरि मे संवेदनशील घोषित जिला मे क्रमवार एहि योजना क शुरुआत कैैल जाएत। मॉडल क रूप मे मुंगेर जिला क चयन कैल गेल अछि। एकर बाद राज्यक तमाम जिला मे लागू करबाक योजना अछि। एहि अभियान कए दूनू विश्वविद्यालय आ पुलिस महकमा संयुक्त रूप स मिलीकए पूरा करत। पुलिस प्रशासन मुंगेर मे आत्मसमर्पण करि चुकल 20टा हार्डकोर नक्सलीक सूची बनेलक अछि। प्रथम फेज मे हुनका प्रशिक्षण देल जाएत।
योजना क तहत पूर्व नक्सली कए बकरी पालन आ मुर्गी पालन क प्रशिक्षण देल जाएत। ओतहि महिला कए समूह गठित करि लोक कला क संग-संग लघु उद्योग क ट्रेनिंग सेहो देल जाएत। फेर बैंक स ऋण दिया आत्मनिर्भर बना देल जाएत। एकरा लेल हुनकर उत्पादित सामान बेचबा लेल बाजार सेहो मुहैया कराउल जाएत।