पटना । आइआइटी-जेइइ लेल सुपर 30 क भांति आब गरीब छात्र- छात्रा कए यूपीएससी परीक्षा क नि:शुल्क तैयारी क मौका भेटत। एकरा लेल नवंबर स सुपर 25 शुरू भ रहल अछि। एहि मे 25 चयनित छात्र-छात्रा कए मुफ्त मे रहबाक आ भोजनक सुविधा देल जाएत। परीक्षा क आधा तैयारी पटना मे आ आधा उत्तर प्रदेशक नोएडा मे कराउल जाएत।
मेरीडियन फाउंडेशन क निदेशक अशोक कुमार सिंह आ कैरियर लांचर क संस्थापक सत्या नारायणन आर एकर आधार राखि रहल छथि। श्री सिंह क कहब अछि जे एकर पहल सबस पहिने बिहार स भ रहल अछि। चयन लेल नवंबर मे टेस्ट लेल जाएत। पहिने एप्टीटय़ूड टेस्ट लेल जाएत, एकर बाद इंटरव्यू होएत। टेस्ट मे 100 नंबर क बहुवैकल्पिक प्रश्न होएत, जे मौलिक आ तार्किक क्षमता पर आधारित होएत। एकरा हल केनिहार लेल दो घंटा समय देल जाएत। लिखित परीक्षा मे चयनित भेलाक बाद इंटरव्यू लेल जाएत। एहि मे कम्युनिकेशन स्किल आ पर्सनालिटी क परीक्षण कैल जाएत। पहिने चयनित छात्र कए पटना मे फाउंडेशन कोर्स पढ़ाउल जाएत। एकर तैयारी क बाद छात्र कए नोएडा मे कैरियर लांचर द्वारा एप्टीटय़ूड आ कम्युनिकेशन स्किल आदि क तैयारी कराउल जाएत।
मानव संसाधन विकास मंत्री पीके शाही कहला अछि जे एखन इ एक छोट पहल अछि, मुदा बिहार लेल एकर दूरगामी आ सकारात्मक परिणाम होएत। मेरीडियन फाउंडेशन क निदेशक अशोक कुमार सिंह कहला अछि जे एहि स हर समुदाय आ वर्ग क कमजोर छात्र कए फायदा भेटत। यूपीएससी मे हमर घटैत मेधा कए सेहो एहि स बल भेटत।