पटना । घूसखोर लेल बिहार आब स्वर्ग नहि रहल। घूसखोर क चेहरा आब यू-ट्यूब पर अहांक सामने आनल जा रहल अछि। भ्रष्टाचार रोकबा लेल ग्रामीण विकास विभाग इंदिरा आवास योजना मे इ प्रयोग करै जा रहल अछि। 27 अगस्त कए प्रदेश क सब प्रखंड मे इंदिरा आवास लाभुक क बीच पासबुक वितरण क लेल आयोजित शिविर मे एहि काज लेल वीडियोग्राफर तैनात रहताह। शिविर मे सब विभाग क प्रधान सचिव आ सचिव सेहो मौजूद रहताह। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार स्वयं किछु शिविर मे जाकए एहि कार्यक्रम क शुरुआत करताह। सब प्रखंड मे तीनटा वीडियोग्राफर क संग तीन वीडियोग्राफी क काउंटर खोलल जाएत। हर वीडियोग्राफर क संग लाभार्थी क शिकायत नोट करबाक लेल एक-एकटा कर्मी प्रतिनियुक्त रहताह। शिकायत क वीडियोग्राफी सेहो होएत आओर ओकरा यू-ट्यूब पर अपलोड कैल जाएत। शिकायतकर्ता कए शिकायत प्राप्ति क रसीद सेहो देल जाएत। ग्रामीण विकास मंत्री नीतीश मिश्र कहला जे बिचौलिया आ दलाल क हस्तक्षेप कए रोकबा क दिशा मे इ प्रयास अछि। अगर कोई लाभार्थी इ शिकायत करताह जे इंदिरा आवास दियाबै लेल हुनका स कियो व्यक्ति घूस मांगि रहल अछि त जाहिर सन गप अछि जे यू-ट्यूब पर अपलोड वीडियो मे ओहि व्यक्ति क नाम आबि जाएत। नाम सार्वजनिक भेलाक डर ककरो रिश्र्वत मंगवा स जरूर रोकत। ओ कहला जे सबटा शिकायत क जांच होएत। परन्तु, शिकायत प्राप्त भेला पर तुरंत ओकरा अपलोड कैल जाएत।