देश क पांचम आ ईस्टर्न इंडिया क पहिल सबस बेसी क्षमता वाला घुमंतू रेस्तरां (बिस्कोमान टावर) क उद्घाटन मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केलथि । एहि अवसर पर नीतीश कुमार कहलथि जे घुमंतू रेस्तरां बिहार मे बदलाव क प्रतीक अछि। इ रेस्टोरेंट 18म तल्ला पर अछि। एकर ऊंचाई करीब 210 फीट अछि। एहि रेस्टरां स गांधी मैदान एकटा छोट सन पार्क नजरि अबैज अछि। घुमंतू रेस्तरां मे 140 गोटेक बैसबाक व्यवस्था कैल गेल अछि। एकर खासियत इ अछि जे इ एक एचपी क मोटर पर चलि रहल अछि। जाहि स इ 60 मिनट मे एक चक्कर पूरा करैत अछि। गंगा क दृश्य सेहो एहि ठाम स देखल जा सकैत अछि। मुंबई मे दू आ जयपुर आ अहमदाबाद मे एक एकटा एहने घुमंतू रेस्टोरेंट अछि। 16म तल पर एकटा सभागार आ खुलल गार्डेन बनाउल गेल अछि। जतय 300 गोटे लेल कार्यक्रम आयेाजित कैल जा सकैत अछि। एकरा विवाह अथवा पार्टी जइसन आयोजन क लेल बुक कैल जा सकैत अछि। एहि ठाम शाकाहारी, मांसाहारी भोजन, नाश्ता, काफी सहित विभिन्न तरह क व्यंजन एहि ठाम उचित दाम पर भेटत। दाम एहन राहल गेल अछि जे आम आदमी सेहो घुमंतू रेस्तरां मे आबि कए नास्ता आ भोजन करि सकत।