• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

आसमान छूलक पटनाक रियल एस्टेट

October 8, 2009
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

patnaतीन साल मे बढ़ल 100 फीसदी दाम
आवासीय प्रॉपर्टी क कीमत 3000-4000 टका प्रति वर्ग मीटर
व्यावसायिक प्रॉपर्टी क दाम 6,000-10,000 टका प्रति वर्ग मीटर
बीतल दू माह मे पटना मे 5000 फ्लैट क निर्माण क घोषणा, सबटा बुक

अपार्टमेंट क नक्शा पास हेबा पर एहि ठाम सरकारी बैंक स कर्ज भेटब आब कोनो समस्या नहि रहल। पिछला दू-तीन साल मे बिहारक खास कए पटनाक कानून व्यवस्था मे सुधार क संग-संग औद्योगिक विकास क गति सेहो तेज भेल अछि। कई नामी कंपनी एहि ठाम अपन जॉब वर्क शुरू करबा चुकल अछि, कईटा पाइपलाइन मे अछि। एहि कारण लोक क सोच मे फर्क आयल अछि। पटना क प्रॉपर्टी बाजार मे निवेशक सेहो काफी सक्रिय भ गेलाह अछि, एक संग आठ-दस फ्लैट क बुकिंग सेहो धड़ल्ले स भ रहल अछि।
अखिलेश कुमार, डीलर

सामान्यत महंगाई बढ़ला स लोक दुखी होइत अछि, मुदा कखनो एहनो परिस्थिति होइत अछि जखन महंगाई बढ़ला पर लोक खुश भ जाइत अछि। पटना क रियल एस्टेट क संबंध मे अगर एहने परिस्थिति क उदाहरण देल जाए त कोनो अतिशयोक्ति नहि होइत। दिल्ली, मुंबई, बेंगलुरु समेत तमाम पैघ शहर क रियल एस्टेट क दाम एक साल क दौरान 25-30 फीसदी क कम भ गेल अछि, ओतहि पटना क प्रॉपर्टी बाजार मे एहि दौरान 60 फीसदी तक क तेजी दर्ज कैल गेल अछि। पिछला तीन साल क दौरान त पटना क प्रॉपर्टी बाजार मे लगभग 100 फीसदी क तेजी आयल छि, जे बदलैत बिहारक एखन तक कए सबस पैघ सबूत अछि।
रियल एस्टेट एजेंट एहि तेजी क लेल पटना क प्रति लोक रुझान मे आयल बदलाव कए मुख्य कारण मानि रहल छथि। डीलर क मुताबिक वर्तमान मे पटना क मुख्य जगह पर आवासीय प्रॉपर्टी क कीमत 3000-4000 टका प्रति वर्ग मीटर अछि, जखन कि व्यावसायिक प्रॉपर्टी क दाम 6,000-10,000 टका प्रति वर्ग मीटर चलि रहल अछि। ज्ञात हुए जे इ दाम दिल्लीक करोलबाग,बारहखंबा रोड आ मुंबई क दादरक भाव स मेल खा रहल अछि।
पिछला साल अगस्त-सितंबर क दौरान आवासीय प्रॉपर्टी क दाम 2000-3000 टका प्रति वर्ग मीटर छल त व्यावसायिक प्रॉपर्टी 4,000-8,000 टका प्रति वर्ग मीटर क स्तर पर छल। पिछला 20 साल स पटना मे रियल एस्टेट क कारोबार करि रहल राज कुमार श्रीवास्तव कहैत छथि,’ वर्ष 1998 मे पटना क पॉश इलाक मे शुमार बोरिंग रोड मे प्रॉपर्टी क कीमत 400 टका प्रति वर्ग मीटर छल। तखनो कोई एकरा लेबा लेल तैयार नहि छल। बिहारक पैघ पदाधिकारी अपन घर-जमीन बेची कए पुणे, नवी मुंबई या फेर दिल्ली मे मकान खरीद लैत छलाह। मुदा आब बहुत एहन लोक छथि जे पुणे आ नवी मुंबई स लौट कए फेर पटना मे घर खरीद कए रहबाक मन बना लेलथि अछि। किछु लोक त लौट चुकलथि अछि। पटना मे मांग बढ़लाक कारण स आब दाम 5000 टका प्रति वर्ग मीटर तक पहुंच चुकल अछि। प्रॉपर्टी कारोबारी कहैत छथि जे फिलहाल शहर क विभिन्न इलाका मे तीन पैघ शापिंग मॉल बनि रहल अछि। एहि इलाका क दाम 6200-10,000 टका प्रति वर्ग मीटर चलि रहल अछि।
ओ गर्व क संग कहैत छथि जे इ दाम दिल्ली क करोल बाग सन नामी बाजार मे उपलब्ध व्यावसायिक जगह क करीब अछि। पटना मे प्रकाश झा क मल्टीप्लेक्स अगिला साल तक बनि कए तैयार भ रहल अछि। पटना मे फिलहाल दू बेडरूम वाला फ्लैट क दाम कम से कम 22 लाख टका क आसपास अछि। पॉश इलाका मे त इ दाम 45 लाख क स्तर कए छू चुकल अछि।
कदमकुआं मे 1450 वर्ग मीटर मे बनल 3 बेडरूम क फ्लैट क दाम 42 लाख, बोरिंग रोड क मल्टीस्टोरिज अपार्टमेंट मे 1000 वर्ग मीटर मे बनल फ्लैट क दाम 30 लाख , आशियाना रोड स्थित अपार्टमेंट मे 1250 वर्गमीटर मे बनल फ्लैट क दाम 28 लाख बताउल जा रहल अछि।
फ्लैट क दाम मे तेजी क संग आवासीय भूखंड क दाम मे सेहो विगत एक साल मे 50-60 फीसदी क इजाफा दर्ज भ चुकल अछि। प्रमुख जगह पर 1000-1200 वर्ग गज जमीन क दाम 25-27 लाख तक जा पहुंचल अछि। शहर स दूर फुलवारीशरीफ मे 2700 वर्ग गज क कीमत 32 लाख बताउल जा रहल अछि।
डीलर क मुताबिक बीतल दू माह मे पटना मे 5000 फ्लैट क निर्माण क घोषणा भ चुकल अछि आ सबटा बुक भ चुकल अछि। डीलर अखिलेश कुमार कहैत छथि जे अपार्टमेंट क नक्शा पास हेबा पर एहि ठाम सरकारी बैंक स कर्ज भेटब आब कोनो समस्या नहि रहल। पिछला दू-तीन साल मे बिहारक खास कए पटनाक कानून व्यवस्था मे सुधार क संग-संग औद्योगिक विकास क गति सेहो तेज भेल अछि। कई नामी कंपनी एहि ठाम अपन जॉब वर्क शुरू करबा चुकल अछि, कईटा पाइपलाइन मे अछि। एहि कारण लोक क सोच मे फर्क आयल अछि। पटना क प्रॉपर्टी बाजार मे निवेशक सेहो काफी सक्रिय भ गेलाह अछि, एक संग आठ-दस फ्लैट क बुकिंग सेहो धड़ल्ले स भ रहल अछि।

Tags: bihar. patna

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post

आब जूनियर खिताब सेहो जीतब

खुलल राज, भेटल अकबरनामा

पीपड़ क गाछ बनल बिहार पर्यटनक लोगो

Comments 1

  1. अजय कुमार झा says:
    16 years ago

    त आब ई पटना पहुंचल..चलू खुशी के गप अईछ जे जमीन के भाव बैढ रहल अईछ..मुदा ऐहि स की पटना के शहरीकरण अथवा कहल जाय कि सुंदरीकरण पर कुनो सकारात्मक-नकारात्मक प्रभाव पडत की…

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि