• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

इ बिहार क पुनर्जागरण काल छी!

December 13, 2010
in विचार, समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पंकज
बिहार क पंद्रहवी विधानसभा क चौंकादइवाला आ ऐतिहासिक चुनाव परिणाम पर गप करबा स पहिने दूटा चुनावी सत्यकथा पर गौर करि। इ दूनू कहानी दशक क उनींदापन क बाद करवट बदलैत बुद्ध-महावीर क एहि प्रदेश क हकीकत बयां करबा लेल काफी अछि।
पहिल दृश्य मुजफ्फरपुर क। ओहिठाम मतदान क दिन एकटा दियर अपन भाउज कए बूथ तक बड सम्मानपूर्वक नाव स लकए अनलक। नीक जंका बुझा कए जे फलां पार्टी कए वोट देबाक अछि। मतदान क बाद बड़ ईमानदारी पूर्वक भाउज कहैत छथि जे ओ अपन दियरक बताउल पार्टी क बदला मे अपन मनपसंद उम्मीदवार कए वोट देलहु। बस आब की छल, तमसा आगबबूला दियर ओकरा चाकू स गोद कए हत्घ्या करि दैत अछि।
दोसर कहानी सेहो एहि चुनाव क दौरानक। एक दुखित व्यक्ति कए देखबा लेल नेताजी अस्पताल जाइत छथि। ज़रूरत पड़ला पर अपन खून सेहो दान करैत छथि। आखिर मामला वोट क जे छल, मुदा स्वस्थ भेलाक बाद वोट मांगबा पर ओ मतदाता बड़ साफगोई स कहैत अछि जे अहांक एक बोतल क बदला दू बोतल खून हमर शरीर स निकाली लेब, मुदा वोट हम अपन पसंदीदा उम्मीदवार कए देब।
मतलब, बिहार आब काफी दिन क बाद अपना कए फे़र स चिन्हबाक प्रयास शुरू करि चुकल अछि। दुष्यन्त क गज़ल क भांति इ बिहार नव त अछि मुदा असावधान नहि। जतए एहि ठामक महिला आब अपन फैसला खुद लेबा लेल आतुर छथि। अपन ताकत चिन्ह ओ अपन भविष्य पिता-पति या बेटा क हाथ मे देबाक बदला अपन चूल्हा-चौकी स आगू निकालि रहल छथि, ओतही इ नव बिहार अपन कए बहलेनिहार लोक आ नेता कए चिन्ह चुकल अछि। एक बोतल खून क बदला मे शरीर क सबछा रक्त निचोड़ लेनिहार खटमल स पीछा छुडेबाक कला सिख चुकल अछि। सवाल केवल पार्टी विशेष या व्यक्ति विशेष क हार या जीत क नहि अछि। तेजी स बदलैत एहि ज़माना मे अपन तकदीर गढ़बा लेल कियो सरकार क मुंह ताकबाक दौर स बिहारी काफी आगू निकलि चुकल अछि। सरकार क मतलब ‘किछु देनिहार’ संस्था होइत अछि, इ कम स कम आम बिहारी, लालू युग स बिसरि चुकल छल। आगू बढ़बा मे इ सहयोग सेहो करैत अछि, इ सेहो बीतल ज़माना क गप भ चुकल छल।
बिहार क सन्दर्भ मे सरकार क मतलब इ होइत अछि जे अहांक खेत मे मेहनत स लगाउल धान क बालि कए अहां स कियो छीन नहि लिए। सरकार क मतलब इ जे अहां कए आगू बढ़बा मे कियो रुकावट न डाले, मतलब इ जे घर स बाहर गेल कोनो महिला क पति, ओकर बच्चा सांझखन कए सही सलामत घर लौट कए आबि जाए। बिहार क सरकार ओ जे अपन मेहनत आ प्रतिभा स देश आ दुनिया क कोन-कोन मे जे अपन स्थान बनेबा लेल प्रयासरत प्रवासी बिहारी कए मज़ाक़ क पात्र न बना दिए। बिहार मे सरकार क मतलब इ जेकर शुभंकर कोई विदूषक नहि हुए। जतए राजनीति क मतलब मखौल स किछु आगू क गप हुए। जतए गाडी-गौज कए राजनीति क भाषा न बनाउल जाए। निश्चित रूप स राजनीति जइसन नीरस प्रकल्प मे हास्य एकटा महत्वपूर्ण तत्व भ सकैत अछि, मुदा अगर किछु सस्ता मजाक क कीमत मे अहांक जिनगी मजाक बनि जाए, एतबा कीमत क अदा करै चाहत? कोनो जोकर नहि केवल राजनीति क केन्द्रीय तत्व भ जाए, बल्कि एकटा समूचा राज्य क पहचान भोंडा मजाक मे बदलि जाए, एहि विडंबना कए त विडंबना सेहो नहि कहि सकैत छी।
एहि चुनाव परिणाम क बाद बिहार वास्तव मे एकटा लंबा सुरंग क यात्रा केलाक बाद भोर क लालिमा कए निहारि रहल अछि। एहि तरह क परिपक्व जनादेश दकए सूबा मानू अपन बनाउल नकारात्मक पहचान स पीछा छुडेबाक एकटा गंभीर प्रयास केलक अछि। निश्चित रूप स गप केवल नितीश कुमार कए चुनि लेबाक नहि अछि। जंगलराज कहल जाइवाला शासन स त बिहार पांच साल पहिने पीछा छुड़ा लेने छल। इ परिणाम महत्वपूर्ण त एहि मामला मे अछि जे इ आशंका क समाप्ति क आगाज़ करैवाला अछि। गंभीर विश्लेषक सेहो एहि ठाम एकटा गप जोड़ब नहि बिसरैत छथि जे बिहार मे कखनो जाति स इतर कोनो राजनीतिक समीकरण क गप नहि भ सकैत अछि। एहि बेर तमाम छवि क भांति एकरो तोड़बा मे राज्य कए कनि सफलता भेटल। चुनौती क अंबार त स्वाभाविक बिहार क क्षत्रप क माथ पर अछि, मुदा अपन समझ स अगर ‘सोशल इंजीनियरिंग’ जइसन भद्दा शब्द कए नीतीश बिहार क राजनीति क शब्दकोष स हटा सकथि त वास्तव मे एहि स पैघ सफलता, दुनिया कए सबस पहिने लोकतंत्र क पाठ पढेनिहार राज्य द्वारा एहि स पैघ कोनो सन्देश नहि देल जा सकैत अछि। सबस पैघ उपलब्धि भ सकैत अछि हुनकर, संगहि अन्य भौतिक चुनौती क बरक्श सबस पैघ चुनौती सेहो यैह अछि।
आइ अगर जीत क कारक क गप करि त केवल दूटा मुद्दा बहस क केन्द्र मे अछि। चाहे त इ जीत विकास क मानल जा रहल अछि या एकटा नव तरह क समीकरण, नव सोशल इंजिनयरिंग क। पहिने इ मानल जा रहल छल जे कम स कम बिहार मे अहां जाति क आंकड़ा आ ओकर प्रतिनिधित्व करनिहार पार्टी क बारे मे अध्ययन करि क्षेत्रवार परिणाम क अनुमान लगा सकैत छलहुं। पिछला बेर सेहो राजग क विजय सबस बेसी एहि गप पर निर्भर रहल छल जे कांग्रेस, राजद आ लोजपा एक संग लड़ि नहि सकल, फलतः वोट क बंटवारा क कारण लालूराज क खात्मा संभव भेल। एहि बेर नव गप इ भेल जे नीतीश रणनीतिक तौर पर दलित क ठेकेदारी सेहो रामविलास पासवान स छिनबा मे सफलता हासिल केलथि। ‘महादलित’ नाम स एकटा नव शब्द क ईजाद करि विकास क मुख्यधारा स ओहि वर्ग कए जोड़ि वास्तव मे एकटा अवसरवादी समीकरण कए हवा ओकरे हथियार स निकालि देलथि। जेना कि एकटा विश्लेषक लिखलाह- जातीय राजनीति क एखनो उस्ताद लालू यादव छथि। जातीय विद्वेष पैदा करि राज करबा क हुनकर कुशलता मे आइ सेहो कोनो फर्क नहि आयल अछि। वास्तव मे लालू आइ सेहो जाति क राजनीति शास्त्र क कुशल अध्यापक छथि। बस राजग महज़ एतबा काज केलक अछि जे एहि पाठ क ‘सिलेबस’ बदलि देलक अछि आ बदलल समीकरण कए समझ ओकर काट निकालबाक समय लालू-रामविलास कए नहि भेटल, फलतः ओ अपन गति कए प्राप्त केलथि। एहि तरह मुस्लिम वोट मे सेंध लगाकए ओहि ठाम सेहो पिछड़ा ‘पसमांदा’ मुसलामान कए विभिन्न योजना स अलग करि रहल-सहल कसर सेहो पूरा करि देल गेल।
हालांकि विशुद्ध तौर पर केवल एहि समीकरण क जीत कहब वास्तव मे एहि जनादेश क संग न्याय नहि होएत। खास करि जेना ऊपर उद्धरण देल गेल अछि, जाहि तरह स महिला घर स निकलि अपन मर्जी स अपन भविष्य चुनए चाहलक अछि त ओकर कारण सेहो वैह छल, नौकरी आ पंचायत समेत हर मामला मे महिला कए आगू आनल गेल, लेकिन अगर ज़हर कए ज़हर स काटबाक काज राजग कए करै पडल हुए त शायद इ ज़रूरी छल। गौर करबा योग्य गप इ अछि जे इ समीकरण सेहो सकारात्मक तरीका स विकास क योजना मे ओहि वर्ग कए प्राथमिकता द कए कैल गेल, न कि संपन्न कहै जाइवाला वर्ग कए गडिया कए या ओकरा बेईज्ज़त करि कए। बस केवल एतबे गप अछि जे नीतीश आओर लालू मे फर्क करैत अछि। यैह गप दूनू क नीयत क फर्क सेहो बता दैत अछि। काल्हि आ आजुक बिहार कए सेहो अहां एहि फर्क स देखि सकैत छी। हालांकि नीतीश क सामने चुनौती क अंबार त अछि ये। बिहार क अपेक्षा पर खरा उतरब, भरोसा कए कायम राखब, इ वास्तव मे एकटा पैघ लक्ष्य अछि मुदा अगर अहांक नीयत सही हुए त निश्चित रूपे बिहार अपन बनाउल मानदंड स आगू सेहो जाएत.
बहरहाल, बिहार क सबस पिछड़ल मान जाइवाला जिला क एकटा सुविधाहीन गाम स जखन इ आलेख लिखि रहल छी, तखन अंतिम सांस गिनैत रावण मन पडैत अछि। पुरान ‘सिलेबस’ क ज्ञाता हेबाक बावजूद लालू यादव जे-जे गलती केलथि, जाहि तरह राज्य कए पतन क चरम बिंदु तक पहुंचेलाक बाद आइ लालू, राजनीतिक रूप स अंतिम सांस गिन रहल छथि, तखन विजेता समूह खास क विजयी पक्ष क छोट कहल जा रहल भाई क लेल ‘लक्ष्मण’ क भांति इ ज़रूरी अछि जे वो हुनका स सबक लथि। वास्तव मे केवल अगर राजग इ सोच लिए जे हमरा एकटा पैघ लकीर खींचबाक अछि आ लालू द्वारा कैल गेल गलती कए दोहरेबाक नहि अछि त निश्चित रूप स इ गठबन्धन अपन ओहि भरोस पर ज़रूर खरा उतरत, जेकर जीत एहि चुनाव परिणाम स साबित भेल अछि। सही अर्थं मे इ जीत त एखन केवल बिहारी मे बहाल आत्मविश्वास, ओहि मे पुनः पैदा कैल गेल भरोस क भेल अछि।

मधुबनी जिलाक रहनिहार पंकज कुमार झा संप्रति रायपुर स प्रकाशित दीप कमल क संपादक छथि।

Tags: पंकज कुमार झामंगरौनीमधुबनी

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

आब लेक्चरर बनबा लेल होएत परीक्षा

Esamaad Epaper Website

आंगनबाड़ी केंद्र कए नहि भेटत नकदी

Esamaad Epaper Website

हमर आदेश पर की भेल एक्शन, चाही टोकेन रिपोर्ट: नीतीश

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि