नई दिल्ली। ईएसआई आ रेलवे बिहार मे मेडिकल कॉलेज बना रहल अछि। देश मे डॉक्टर क कमी स निबट क लेल ईएसआई आ रेलवे मेडिकल कॉलेज इ फैसला लेलक। ईएसआई अगिला सत्र स 20 टा मेडिकल कॉलेज शुरू करत जखन कि रेलवे 18 टा कॉलेज खोलबाक घोषणा केलक। एहि मे 5 टा कॉलेज अगिला सत्र स शुरू भ जाएत। ईएसआई क मेडिकल कॉलेज मे लगभग 25 फीसदी सीट हुनकर लाभार्थी क बच्चा कए लेल रिजर्व रखल जाएत जखन कि रेलवे क करीब 10 फीसदी सीट रेलवेकर्मी क बच्चा क लेल रखल जाएत। कानपुर, फरीदाबाद, दिल्ली, पटना, मंडी, अलवर, बेंगलुरु, हैदराबाद, अहमदाबाद, कोल्लम, मुंबई, चेन्नई, कोयंबटूर, कोलकाता, जलपाईगुड़ी मे ईसआई क मेडिकल कॉलेज खोलल जाएत।