• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

ईटी अवॉर्ड्स फॉर कॉरपोरेट एक्सीलेंस 2009 क ऐलान

September 10, 2009
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

politics-nitish-kumarइ प्रतिकूल परिस्थिति मे शानदार प्रदर्शन करबा लेल देल जाए वाला तमगा अछि। इ पुरस्कार अछि सफलता क लेल अटूट निष्ठा आ अनथक परिश्रम क। उतार-चढ़ाव स भरल एक साल, जे पश्चिम क विकसित अर्थव्यवस्था क नींव हिलेबाक गवाह बनल, ओ एहन कंपनी आ व्यक्ति कए परखबा क अवसर सेहो देलक, जे तमाम झंझावात कए पछाडि़ कए अपन जीत क झंडा बुलंद करबा मे कामयाब रहलथि। ओ नेतृत्व क पारंपरिक तरीका मे अपन भरोस कायम रखला आ हुनका शानदार नतीजा क तौर पर एकर इनाम सेहो भेटल।
ईटी अवॉर्ड्स फॉर कॉरपोरेट एक्सीलेंस 2009 क लेल बिहार क अर्थव्यवस्था कए एक बेर फेर स पटरी पर अनबा लेल राज्य क मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कए साल क सर्वश्रेष्ठ बिजनेस सुधारक आ राष्ट्रीय ग्रामीण रोजगार गारंटी योजना (नरेगा) क अवधारणा देनिहार जीन ड्रेज कए साल क बेहतरीन पॉलिसी चेंज एजेंट घोषित कैल गेल अछि। महिन्द्रा एंड महिन्द्रा के चेयरमैन केशुब महिन्द्रा कए दशकों तक कैल गेल भारतीय उद्योग जगत क सेवा क लेल लाइफटाइम एचीवमेंट अवॉर्ड्स स नवाजल गेल।
एहि स पूर्व कॉरपोरेट एक्सीलेंस क लेल इकनॉमिक टाइम्स अवॉर्ड्स 2009 क फैसला करबा लेल जूरी 20 मुंबई मे कठोर आ गंभीर चर्चा क बाद कहल गेल जे महिन्द्रा एंड महिन्द्रा क वाइस चेयरमैन आनंद महिन्द्रा एहि साल क बिजनेस लीडर छथि। ब्रिटानिया इंडस्ट्रीज क मैनेजिंग डायरेक्टर विनीता बाली बिजनेसवुमेन चुनल गेलथि। जीवीके ग्रुप क कंपनीक मालिक जीवीके रेड्डी कए आंत्रप्रेन्योर ऑफ द ईयर चुनल गेल, आइडिया सेल्युलर साल की बेहतरीन उभरैत कंपनी बनल। मैनेजमेंट गुरु आओर चिंतक राम चरण साल क ग्लोबल इंडियन बनलाह। एकर अलावा टाटा एनर्जी रिसर्च इंस्टीट्यूट (टेरी) क कॉरपोरेट सामाजिक जिम्मेदारी (सीएसआर) क लेल पुरस्कार देल गेल, हीरो होंडा कए साल क सर्वश्रेष्ठ कंपनी कहल गेल।
जूरी महसूस केलक जे एहि साल क पुरस्कार ओहन लोक आ कंपनी कए देल जाए जेे तमाम मुश्किल परिस्थिति आ अनिश्चितता क बीच सफलता क राह बनेलथि। आनंद महिन्द्रा सत्यम कम्प्यूटर कए कीनि कए एकटा पैघ जोखिम लेलथि आ संग ही तमाम स्थानीय आ बहुराष्ट्रीय खिलाड़ी कए पछाडि़ कए एमएंडएम कए ट्रैक्टर आ यूटिलिटी व्हीकल क क्षेत्र मे बाजार क अगुवा कंपनी बनलथि।

Tags: Bihardarbhangaepapermaithilimithilanitish

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post

नेपाल मे राष्ट्रवाद क प्रतीक बनल भारत विरोध

Esamaad Epaper Website

नीतीश कए फंसेबाक साजिश छल

थर्मल पावर परियोजना बदलत सासारामक तकदीर आ तस्वीर

Comments 1

  1. गजेन्द्र ठाकुर says:
    16 years ago

    बड्ड नीक प्रस्तुति। मोन प्रसन्न भए गेल।
    समाद मैथिलीक ऑनलाइन समाचारपत्रक रूप मे जे सेवा कए रहल अछि से
    लोकक मोनमे अंकित भए गेल अछि।

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि