• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

उत्‍तर बिहार मे खुलत राष्ट्रीय स्तर क शोध संस्थान

January 9, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना। बिहार सरकार आखिरकार उत्तर बिहार दिस तकलक। सरकारक योजना पर अगर विश्‍वास कैल जाए त बिहार सरकार ओ काज करबाक प्रयास क रहल अछि जे एखन धरि नहि भेल अछि। उत्‍तर बिहार प्राकृतिक आपदा स ग्रस्‍त इलाका अछि ताहि लेल एहि ठामक ऐतिहासिक स्थल क गर्भ में नुकायल रहस्‍य पर स परदा उठायब बहुत जरूरी अछि। एहि स एक दिस मिथिलाक इतिहास कए प्रामाणिकता भेटत त दोसर दिस मिथिलक इतिहास कए नवका आयाम सेहो भेट सकैत अछि। एहि लेल बिहार सरकार उत्तर बिहार मे जवाहरलाल नेहरू विश्वविद्यालय आ दिल्ली यूनिवर्सिटी क तर्ज पर राष्ट्रीय स्तर क एकटा शोध संस्थान खोलबाक तैयारी करि रहल अछि। राज्य में वैशाली जिला क बाद छपरा क चिरांद, समस्तीपुर क पारगढ़, चम्पारण क लौरिया नंदनगढ़ आ केसरिया, दरभंगा क बलराजगढ़, मधुबनी क राजनगर, मंगरौनी आ सरिसब पाही समेत कईटा एहन ऐतिहासिक स्थल अछि, जाहि पर अनुसंधान कार्य बहुत कम भेल अछि। हाल में केपी जायसवाल शोध संस्थान समस्तीपुर क पारगढ़ में खुदाई करेलक अछि, ओहि ठाम मौर्यकालीन अवशेष भटल अछि। एकरा देखैत राज्य सरकार उत्तर बिहार क एहन तमाम ऐतिहासिक स्थल पर शोध कार्य करेबा लेल राष्ट्रीय-अंतरराष्ट्रीय स्तर क इतिहासकार क मदद ल रहल अछि। रिसर्च इंस्टीच्यूट उत्तर बिहार क कौन शहर मे बनाउल जाए एहि पर सरकार मंथन क रहल अछि। सूत्रक कहब अछि जे इ रिसर्च इंस्टीच्यूट बैशाली या दरभंगा में खोलल जा सकैत अछि। फिलहाल रिसर्च इंस्टीच्यूट कए स्थापित करबा मे शिक्षा विभाग, पर्यटन विभाग आओर संग्रहालय निदेशालय क संयुक्त भागीदारी सुनिश्चित कैल जा रहल अछि। एहि दिशा में विस्तृत ब्योरा दैत संग्रहालय निदेशालय शिक्षा विभाग क प्रधान सचिव आओर पर्यटन विभाग क प्रधान सचिव कए एकटा पत्र सेहो लिखलक अछि। पत्र में पर्यटन विभाग स इ अनुरोध कैल गेल अछि जे ओ उत्तर बिहार क ऐतिहासिक स्थल क संरक्षण आ इतिहास पर शोध कार्य लेल दिल्ली यूनिवर्सिटी आ जेएनयू क तर्ज पर राष्ट्रीय-अंतरराष्ट्रीय स्तर क रिसर्च इंस्टीच्यूट स्थापित करबा संबंधी आवश्यक कार्रवाई मे सहयोग दी। एकर अलावा ऐतिहासिक स्थल कए पर्यटन सर्किट स जोड़बा क दिशा में सेहो त्वरित कदम उठाउल जाए, किया कि टूरिस्ट सर्किट क निर्माण क कार्य पर्यटन विभाग स सम्बन्धित अछि। संग्रहालय निदेशालय शिक्षा विभाग क कहब अछि जे ऐतिहासिक धरोहर आ पर्यटन स्थल पर शोध आ रिसर्च इंस्टीच्यूट स्थापित करबाक मूल उद्देश्य इ अछि जे इतिहास क गर्भ में समा गेल उत्‍तर बिहार क गौरवशाली आ समृद्ध सांस्कृतिक विरासत स वर्तमान पीढ़ी कए रूबरू भ सकए आ ओहि धरोहर कए पहचान भेट सकए।

Tags: दरभंगाबिहार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

मुख्‍यमंत्री देखताह कालिदासक डीह

Esamaad Epaper Website

कोसी पर बनल पुलक की होएत नाम

हे मातृभूमि स्‍वीकारू प्रणाम

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि