पटना। बिहार बदलि रहल अछि आ बदलि रहल अछि राज्यक परिवहण विभाग। जी हां, आब गाडी टैक्स देबा लेल परिवहन विभाग क बाबूक आगू-पाछु करबाक कोनो झंझट नहि, बस कतहु बैस कए कंप्यूटर क एकटा क्लिक पर अहांक टैक्स जमा भ जाएत। ओना त अहां तत्काल अपन रसीद क प्रिंट सेहो ल सकैत छी, मुदा टैक्स क राशि स बीस टका बेसी जमा करि त पत्राचार क माध्यम स रसीद अहांक घर तक पहुंच जाएत। एखन बकाया टैक्स क इलेक्ट्रानिक भुगतान क तकनीक कए परिवहन विभाग अंतिम रूप द रहल अछि। परिवहन सचिव यूएस कुमावत कहैत छथि जे स्टेट बैंक आफ इंडिया क संग एकरा लेल करार भ गेल अछि। अगिला मास स इ योजना शुरू भ जाएत। एहि व्यवस्था क तहत एकटा आईडी पर जाकए बकाया टैक्स कए जमा कैल जा सकैत अछि। वाहन क रजिस्ट्रेशन नंबर दैत देरी इ जानकारी भेट जाएत जे संबंधित वाहन क केतबा टैक्स बाकी अछि। एकर बाद टैक्स जमा करबाक विकल्प सामने आउत। परिवहन विभाग एकरा लेल स्टेट बैंक आफ इंडिया क गेटवे क इस्तेमाल करत। टैक्स क सबटा टका स्टेट बैंक आफ इंडिया कए लग मे जमा होएत जे परिवहन विभाग क खता मे चल जाएत।