• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

एक बेर फेर विकसित शहर बनत दरभंगा

December 23, 2011
in समाचार
A A

सिटी डेवलमेंट प्लान क तहत भेटत 1100 करोड़, 2030 तक लेल योजना तैयार
दरभंगा । 1934 क भूकंप क बाद दरभंगा नव ढंग स बसाउल गेल छल। 30 साल लेल शहर क योजना तैयार भेल छल। 1964 मे जे योजना एबाक छल से 2012 मे आबि रहल अछि। देर स सही मुदा इ योजना अगर जमीन पर उतरल त दरभंगा एक बेर फेर विकसित शहरक कतार मे ढार भ जाएत। जरूरत अछि दरभंगाक लोक एहि योजना क प्रति जागरूक भ लागू करबा लेल आवाज बुलंद राखथि। योजनाक अनुसार अगिला दा साल मे दरभंगा शहर महानगरीय स्वरूप ल लेत। । सरकार अगिला 20 साल में राज्य क जहि 28टा शहरक कायाकल्प करबाक योजना करीब आठ सालक मेहनतक बाद तैयार केलक अदि ओहि मे सबस प्रमुख दरभंगा अछि। एकर कारण अछि जे दरभंगा लग एकटा पुरान सिटी प्‍लान उपलब्‍ध अछि जे आन शहर लग नहि अछि। ब्रिटिश सरकार क अंतरराष्ट्रीय विकास विभाग द्वारा वित्त पोषित ‘संव‌र्द्धन परियोजना’ क तहत बनल एहि नगर विकास परियोजना क बाट ताकल जा रहल छल। 1934 क मुकाबला मे आइ दरभंगा क जरूरत बहुत बढि चुकल अदि आ अगिला 20 साल मे इ आओर बढत। एकरा ध्‍यान मे रखैत शहरी विकास क हर क्षेत्र पर पर्याप्त फोकस कैल गेल अछि। तैयार योजना कए देखल जाए त दरभंगा क स्वरूप एकटा महानगर क रूप मे तैयार करबाक प्रयास कैल गेल अछि। शहरक विकास तीन चरण मे होएत, जेकरा लेल कुल 1100 करोड़ टका स बेसी निवेश करबाक प्रस्ताव अछि। शहर मे नव इलाका का विकास होएत। सबस प्रमुख बदलाव जलापूर्ति व्‍यवस्‍था मे होएत। महज दस हजार लोक लेल बनल पाइनक टंकी स आइ पूरा शहर क जलापूर्ति नहि भ पाबि रहल अछि। एहि योजना क लागू भेलाक बाद शहर क जलापूर्ति व्यवस्था में भारी बदलाव देखबा लेल भेटत। दरभंगा क अधिकतर भूमिगत नाला जाम अछि आ खुलल नाला अतिक्रमण स नाली मे बदलि चुकल अछि। एहि योजना मे सीवरेज आ नालीक कायाकल्प करबा लेल प्रयाप्‍त धन क प्रस्‍ताव अछि। 1934 क प्‍लान मे दरभंगा कए शैक्षिक संस्थान आ चिकित्सा क दृष्टिकोण स विकसित क्षेत्र बनाउल गेल छल। आगामी 20 साल में एकर विस्‍तार कैल जाएत आ कईटा पैघ आ नव अस्पताल आ शैक्षिक संस्थान लेल जगह आवंटित होएत। लक्ष्‍मी सागरक बाद दरभंगा मे कोनो व्‍यवस्थित मोहल्‍ला नहि बसाउल जा सकल। नवका योजना मे स्लम एरिया कए नव सिरा स बसेबाक प्रस्‍ताव अछि। योजना क अगर सही तरीका स लागू भ जाए त शहरी अर्थव्यवस्था कए नव आयाम भेटत त शहरी प्रशासन पर सेहो भारी भरकम निवेश हेबाक उम्‍मीद बढि गेल अछि।

तैयार मास्‍टर प्‍लान मे मास्‍टर प्‍लान पर एक नजरि

जलापूर्ति : फिलहाल दूटा जलमीनार आ पांचटा पंपिंग स्टेशन स शहर में जलापूर्ति कैल जाइत अछि। मुदा शहर क आधा मकान जलापूर्ति लेल निजी व्यवस्था पर निर्भर अछि। अगिला 20 साल में शहर क विस्तार क बावजूद योजना हर घर कए स्वच्छ पेयजलापूर्ति योजना स जोड़बाक अछि। पाइपलाइन क रखरखाव, पोखरि क संव‌र्द्धन आ शतप्रतिशत घर में जलापूर्ति सुनिश्चित करबाक एहि योजना पर कुल 42.40 करोड़ खर्च क प्रस्ताव अछि।

सीवरेज सिस्टम : दरभंगा मे जे पिछला 30 साल मे खत्‍म भ गेल ओहि मे सबस प्रमुख अछि शहरक सीवरेज प्रणाली। कोनो विकसित शहर जेकां दरभंगा मे सेहो इ प्रणाली काफी मजबूत छल। मुदा आइ शहर में एकर घोर अभाव अछि। सीवेज ट्रीटमेंट प्लांट क स्थापना, शौचालय क मरम्मत, जनसुविधा क स्थापना आ स्वच्छता क प्रति जागरूकता पर नवका मास्‍टर प्‍लान मे सबस बेसी ध्‍यान देल गेल अछि। एकरा तीन चरण मे पूरा कैल जाएत आ एकरा लेल कुल 332.50 करोड़ खर्च क प्रस्ताव अछि।

नाली क व्यवस्था : शहर में एखन कुल मिला कए 25 किमी नाली अछि। पहिल गप त एहि स वर्तमान शहर क 40 फीसदी क्षेत्र कवर होइत अछि। दोसर गप इ जे एहि मे स बहुत अतिक्रमणक कारण अपन वजूद क लडाई लडि रहल अछि। 20 फुट चौडा नाला 3 फुट पातर नाली मे बदलि गेल अछि। पोखरि क अधिकता आ बाढ़ग्रस्त इलाका हेबाक कारण नाली पर ध्‍यान देने बिना मास्‍टर प्‍लान कए लागू नहि कैल जा सकैत अछि। एहि लेल मास्‍टर प्‍लान मे नाली पर गंभीर टिप्‍पणी कैल गेल अछि। योजना तैयार करनिहार क अनुसार शहर मे नाली व्‍यवस्‍था क्षत-विक्षत भ चुकल अछि आ एहि पर बहुत काज करबाक जरूरत अछि। एहि काज लेल 117.30 करोड़ टका खर्च क प्रस्ताव अछि।

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

कचरा प्रबंधन : शहर स एखन 55.8 टन कचरा क उत्सर्जन होइत अछि। एहि मे स आधाक संग्रहण भ जाइत अछि। एकर कारण शहर मे गंदगी क समस्‍या गंभीर अछि। एकरा लेल 218.85 करोड़ खर्च क प्रस्ताव अछि।

सड़क-परिवहन : शहर में सड़कक ढांचा 1934 क मास्‍टर प्‍लानक आधार पर एखन धरि बनल अछि। सडकक चौडाई एक फुट नहि बढल अछि, जखन कि पिछला पांच छह साल में वाहन क संख्या तिगुना बढि गेल अछि। अतिक्रमण क हाल इ अछि जे कतहु कतहु त सडक क वजूद नहि भेटैत अछि। एहि कारण स शहर मे जाम एकटा स्‍थायी समस्‍या बनि गेल अछि। एकर निराकरण लेल ट्रैफिक व्यवस्था में सुधार आ नगर यातायात सुविधा में बढ़ोतरी पर कुल 115.67 करोड़ खर्च क प्रस्ताव अछि।

झुग्गी एरिया विकास : शहर में 134टा स्लम पाकेट चिह्नित कैल गेल अछि। एकर समग्र विकास पर 178.58 करोड़ खर्च क प्रस्ताव अछि जे अगिला 20 साल मे पूरा होएत।

सामाजिक बुनियादी ढांचा : ललित नारायण मिथिला विवि, कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विवि, इग्नू क क्षेत्रीय केंद्र सहित कईटा महत्वपूर्ण शैक्षिक संस्थान शहर मे अवस्थित अछि। कालेज आ हाईस्कूल क पैघ तादाद अछि। दरभंगा मेडिकल कालेज अस्पताल सहित कईटा चर्चित अस्पताल अछि। मुदा 2030 तक एहि ठाम 8टा पैघ अस्पताल, 10टा नर्सिग होम आ 36टा डिस्पेंसरी क जरूरत अछि। स्कूल, स्वास्थ्य केंद्र क विस्तारीकरण, रखरखाव आ निर्माण पर 40.35 करोड़ निवेश क प्रस्ताव कैल गेल अछि।

पर्यावरण संरक्षण : दरभंगा शहर मे पिछला 50 साल मे लगभग 50 हजार गाछ काटल गेल अछि। शहर क पर्यावरण सुरक्षित रखबा लेल आ हरियाली वापस अनबा लेल आगामी 20 साल में 12.10 करोड़ क निवेश क प्रस्ताव अछि।

विरासत आ पर्यटन : दरभंगा राज परिवार क देल आधारभूत संरचना कए विरासत मानैत नवका मास्‍टर प्‍लान मे एकर संरक्षण पर बल देल गेल अछि। पर्यटक सूचना केंद्र क स्थापना लेल 11.80 करोड़ क निवेश क प्रस्ताव अछि।

शहरी अर्थव्यवस्था आ प्रशासन : शहरी प्रशासन, ई गवर्नेस कए बढ़ावा देबा लेल 20 साल में 222 करोड़ स बेसीक निवेश क प्रस्ताव अछि।

नोट- एहि समाचारक संग 1934 क मास्‍टर प्‍लान क तहत बनल दरभंगाक विमान स लेल गेल फोटो अछि जे संभवत: 1941 क अछि।

Tags: Bihardarbhangaबिहार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

मैथिली मे रसायनशास्‍त्र क आर किताब लिखब : डॉ प्रेम मोहन

Esamaad Epaper Website

बिहार दिवस पर अउताह फिजी, सूरीनाम आ मारीशस क राष्ट्रपति

Esamaad Epaper Website

जनवरी मे भेटत 34,540 कए नियुक्ति पत्र

Comments 2

  1. Anjani Kumar Kushwaha says:
    13 years ago

    2030 bahut der ki bat hai 2020 chal sakta tha…… 20 sal intazar karna padega….

    Reply
  2. Prakash Kr. Jha says:
    13 years ago

    der aayal durust aayal.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि