पटना । आधा दर्जन भाषाई अकादमी कए एक छत क नीचा आनि कए एक भाषाई अकादमी क गठन क प्रस्ताव कए मंजूरी भेट गेल। विभिन्न अकादमी क पदाधिकारी क बैठक मे सब अकादमी विभागीय प्रस्ताव स सहमति जेतलक। बैठक क बाद उच्च शिक्षा निदेशक श्याम नारायण कुमार कहला जे मैथिली अकादमी, भोजपुरी अकादमी, मगही अकादमी, संस्कृत अकादमी, दक्षिण भारतीय भाषा संस्थान आ बांग्ला अकादमी कए एकटा छत क नीचा अनबाक प्रस्ताव पर सहमति भेटलाक बाद आब अकादमी क गरिमा वापस अनबा क विभाग क सर्वोच्च प्राथमिकता होएत। ओ कहला जे जाहि अकादमी मे पुस्तक प्रकाशन क काज ठप पड़ल अछि, ओ शुरू कराउल जाएत। ओ कहला जे मैथिली कए यूपीएससी आ बीपीएससी क परीक्षा मे विषय क तौर पर शामिल कैल गेल अछि। लिहाजा मैथिली अकादमी कए निर्देश देल गेल अछि जे ओ विश्वविद्यालय क सिलेबस मे शामिल मैथिली क किताब क साज-सज्जा पर ध्यान दिए ताकि ओकर अधिकाधिक ब्रिकी भ सके। ओ कहला जे भोजपुरी अकादमी कए भोजपुरी भाषा क किताब क प्रकाशन आ ओकर बिक्री सुनिश्चित कैल जाए। ओ कहला जे अकादमी क इ तर्क जे भोजपुरी सन लोकप्रिय भाषा क किताब क कोई खरीदार नहि अछि, हुनका बुझबा मे नहि अबैत अछि। ओ कहला जे मैथिली अकादमी छोडि़ कोनो अकादमी अपन आंतरिक स्त्रोत बढ़ेबा मे सक्षम नहि बुझा रहल अछि।