पटना। बिहार सरकार द्वारा राज्य मे 12टा स्टेट हाई-वे निमार्ण करेबाक मसूंबा कए झटका लागल अछि। एडीबी (एशियन डेवलपमेंट बैंक) एहि सबटा स्टेट हाईवे क लेल लोन स्वीकार नहि केलक अछि। बिहार स्टेट हाईवे डेवलपमेंट प्रोजेक्ट-2 क तहत एडीबी राज्य सरकार कए केवल 5टा स्टेट हाईवे निर्माण क लेल लोन मंजूर केलक अछि। एखनधरि राज्य सरकार दावा करैत रहल अछि जे वर्ष 2010 मे बीएसएचडीपी-2 क तहत चयनित सबटा 12 हाईवे क निर्माण क प्रकिया शुरू करि देल जाएत। एडीबी बैंक क लोन क सहारे सरकार 782 किमी लंबा 12टा हाईवे क डीपीआर निर्माण करेने छल। 2008 मे सरकार एहि सड़क कए स्टेट हाई-वे घोषित करि टू-लेनक बनेबाक घोषणा केने छल। जेकरा लेल सरकार कए 2100 करोड़ टकाक आवश्यकता छल, मुदा पैसा क कमी क कारण स इ मामला बीच मे अटक गेल। जेकर बाद राज्य सरकार एडीबी बैंक स आर्थिक मदद लेबाकफैसला केलक। शुरू मे एशियन डेवलपमेंट बैंक 12टा स्टेट हाईवे बनेबा लेलफाइनेंस करबा लेल तैयार छल। मुदा कहल जा रहल अछि जे केंद्र सरकार एकटा मंत्रीक दबाव मे आब केवल 5टा स्टेट हाइवे क निर्माण कए फाइनेंस करबा लेल तैयार अछि। जाहि सड़क लेल तैयार अछि ओहि मे बीरपुर-उदाकिशुनगंज पथ 104.04 किमी 305 करोड़सक्कडी-नासरीगंज 86.80 किमी 348 करोड़छपरा-मोहम्मदपुर पथ 68.50 किमी 305 करोड़रुन्नीसैदपुर-भसवा पथ 64.75 किमी 298 करोड़सरैया- मोतीपुर पथ 28.33 किमी 147 करोड़ शामिल अछि।