पटना। नब वित्तीय वर्ष मे पथ निर्माण विभाग एनएच क 38टा सड़क पर राज्य निधि स काज करत। एकर तहत 451 किमी सड़क क नवीकरण कैल जाएत। पथ निर्माण मंत्री डा. प्रेम कुमार कहला जे राज्य निधि स बनैवाला एहि सड़क क लेल सब तरह क औपचारिकता पूरा करि लेल गेल अछि। ज्ञात हुए जे पूर्व मे सेहो पैघ संख्या मे एनएच क तहत अबैवाला सड़क क नवीकरण क काज राज्य निधि स भेल अछि। एहि पर खर्च भेल राशि एखन धरि राज्य सरकार कए नहि भेटल अछि। वर्तमान वित्तीय वर्ष मे एनएच क जे सड़क पथ निर्माण विभाग द्वारा लेल गेल अछि ओहि पर 19548.475 लाख टका खर्च होएत। राज्य निधि स एहि साल एनएच क जे सड़क बनत ओहि मे सीवान-गोपालगंज (एनएच-85) 32 किमी, रजौली-बिहार शरीफ-बख्तियारपुर (एनएच-31) मे तीन जगह पर क्रमश: 13.6 किमी, 22.3 किमी आ 0.9195, रजौली-नवादा, 10 किमी, बेगूसराय शहर (एनएच-31) मे 3 किमी, बेगूसराय-खगडिय़ा (एनएच-31) स्ट्रेच मे 17 किमी, बख्तियारपुर-बरौनी (एनएच-31), 12.6 किमी, खगडिय़ा-मानसी (एनएच-31) मे 2 किमी, खरीफ-नवगछिया-कुरसैला (एनएच 31) पर 35 किमी, कुरसैला-पूर्णिया (एनएच-31) मे 34 किमी, फतुहा-दनियावां (एनएच 30 ए) मे 11 किमी, आरा-बक्सर (एनएच-84) मे 20 किमी, सिंघेश्वर-मनिकपुर (एनएच-106) मे 9.72 किमी, मानिकपुर-राजपुर (एनएच-107) मे 2 किमी, फारबिसगंज-जोगबनी (एनएच-57 ए), अस्थावां-बरबीघा (एनएच-82) मे 13 किमी, जहानाबाद बाजार (एनएच-83) मे 3.775 किमी, नदवां स मसौढ़ी बाजार स पहिने (एनएच-83) मे 2 किमी, अरवल बाजार (एनएच-110) मे 2 किमी, गया स डोभी (एनएच-83) मे 19 किमी, मसौढ़ी स नदौल (एनएच-83) मे 5 किमी, जहानाबाद कोर्ट स मई हाल्ट तक 4 किमी, जयनगर-नरगहिया (एनएच-104 किमी) मे 21 किमी, छपरा-रेवाघाट (एनएच-102) मे 14 किमी, मोहनपुर-कुम्मा (एनएच-104) मे 12 किमी, हाजीपुर-छपरा (एनएच-19) मे 10 किमी, काको-जहानाबाद (एनएच-110) मे 10 किमी, डुमरी-सीतामढ़ी (एनएच-77) मे 8 किमी, महेशखूंट-मालीचौक (एनच-107) मे 14 किमी, मधेपुरा-पूर्णिया (एनएच-107) मे 40 किमी आ आरा-मोहनिया (एनएच-30) मे 11 किमी सड़क क नवीकरण कार्य शामिल अछि।