नई दिल्ली। बिजली खपत क मामला मे पूरा बिहार आइ हरियाणाक एकटा शहर गुडग़ांव स पाछु अछि। बिहार कए अन्हार दूर करबा मे सार्वजनिक क्षेत्र क प्रमुख एनटीपीसी क योगदान उल्लेखनीय रहल अछि आ आगू सेहो इ कंपनी पूर्वी राज्य सब मे बनि रहल अपन नव बिजलीघर स बिहार कए 2,960 मेगावाट अतिरिक्त बिजली दैत। आइ बिहार बिजली क लेल एनटीपीसी पर निर्भर अछि। फिलहाल राज्य कए देश क सबस पैघ बिजली उत्पादक कंपनी स महज 1,309 मेगावाट बिजली भेट रहल अछि।
बिजली मंत्रालय क सूत्र क कहब अछि जे अगिला पांच साल मे पूर्वी राज्यसब मे एनटीपीसी क 9टा परियोजना तैयार भ जाएत। एहि मे स बिहार कए 2,960 मेगावाट बिजली भेटत। एहि परियोजना मे बाढ़ क पहिल आ दोसर चरण, दारलीपली, गजमारा, तालचर स्टेज तीन, फरक्का स्टेज तीन, रेलवे नबीनगर, नबीनगर आ एमटीपीएस क दोसर चरण शामिल अछि।
एहि परियोजना क कुल क्षमता 14,890 मेगावाट अछि। एहि मे स बिहार कए 2,960 मेगावाट बिजली भेटत। एहि बारे मे विस्तार स जानकारी दैत सूत्र कहला जे नबीनगर परियोजना क कुल क्षमता 1,980 मेगावाट अछि। एहि मे बिहार कए 1,374 मेगावाट बिजली भेटत। एहि बारे मे आवंटन पत्र पहिने बिजली मंत्रालय जारी करि चुकल अछि।