सुनील कुमार झा
पटना। एवोन साईकिल ई साल के अंत तक खोलत बिहार में अपन सयंत्र जाहि में साईकिल के निर्माण होएत। एवोन साईकिल क मेनेजिंग डाइरेक्टर कहलथि जे बिहार सरकार के आमंत्रण पर हम बिहार क दरभंगा में अपन एस्म्बलिंग कारखाना खोलय के विचार केलाहुं अछि जे ई साल क अंत तक स्थापित भए जाएत। ओना एखन इ तय नहि भ सकल अछि किया जे सरकार जमीन हाजीपुर मे देबा लेल आश्वासन देने अछि। ओना दरभंगा लेल गप भ रहल अछि। ओ कहलथि जे कंपनी करीब पाँच सौ करोड़ क लागत स ई कारखाना खोलत जाहि मे हरेक दिन एक हज़ार स पन्दरह सौ साईकिल क निर्माण होएत। ओ कहलथि जे अखन बिहार मे साईकिल क पुर्जा क निर्माण क लेल जगह आ मशीन नै भेटल ये ते दुवारे हम अखैन खाली एसेम्बलिंग क काज करब। एता अहाँकए बता दी जे बिहार सरकार हीरो साईकिल आ एवोन साईकिल कए बिहार क हाजीपुर मे अपन सयंत्र लगाबै क लेल आमंत्रित केने छल। ज्ञात हुए जे बिहार एकर सबस पैघ बाजार अछि। एहि साल ‘बालिका साईकिल योजना’ क लेल किछु बेसी साईकिल क जरूरत अछि। साईकिल निर्माता क अनुसार राज्य सरकार ई वित्तीय वर्ष में तेरह लाख साईकिल निर्माण क आदेश देत जकर सबस बेसी फायदा पंजाब उठेता कियाकि ओतोका लुधियाना सयंत्र ई मांग के पचासी फीसदी पूरा करय के लेल सक्षम ये। हीरो साईकिल बला सेहो एताको प्रस्ताव पर ध्यान देलक ये ओ सर्वेक्षण करा रहल ये मुदा अखन धैर कोनो जमीनी कारवाही नै केलक अछि।
दरअसल राज्य में पिछला साल करीब पच्चीस लाख साईकिल के बिक्री भेल रहे। आ अखन तक राज्य में साईकिल में जबरदस्त मांग रहे मुदा राज्य सरकार के दोसर-दोसर राज्य पर निर्भर होए ले पड़य रहे। ते दुवारे राज्य सरकार हीरो साईकिल आ एवोन साईकिल के लग प्रस्ताव देलक रहे ताकि घर के पैसा घर में ही रहे। ओना बिहार के एही साईकिल बाज़ार पर चीन सेहो नजैर गड़ेने रहे। मुदा देखियो आब की होए अछि। ओना एकरा से पहिने ऑकपेट बाइसाइकिल्स सेहो चीन से कलपुर्जा मंगाय के बिहार में एकर एस्म्बलिंग के कारखाना खोलय के गप कहलक रहे आ ओकर सयंत्र के काज सेहो शुरू भए गेल रहे मुदा अखन धैर कोनो समाचार नै ये की ओ कारखाना शुरू भेल की नै।
bhut neek khabar
Viswas nai hoi ya ki Darbhanga me Avon ke assembling karkhana khulat… Muda khulbo karat ta kahiya khulat…..