नई दिल्ली। भुखमरी स मौत, गाम मे शराब क ठेका आ केंद्रीय योजना क धन क उपयोग क मुद्दा कए नीतीश कुमार कए सियासी फांस बनेबा, जदयू-भाजपा गठबंधन मे नीतीश क खिलाफ असंतोष कए हवा देबाक आओर एहि गठबंधन क सवर्ण-मुस्लिम जनाधार कए तोड़बा लेल कांग्रेस क ‘ऑपरेशन बिहारÓ शुरू भ गेल अछि। एकर कमान खुद राहुल गांधी सम्हारि रखने छथि।
कांग्रेस सूत्र क कहब अछि जे राहुल क प्राथमिकता मे आब बिहार सबस ऊपर अछि। उप्र क फाइनल क लेल कांग्रेस बिहार कए सेमीफाइनल मानि रहल अछि। कांग्रेसक लक्ष्य बिहार मे कम स कम सौ सीट जीतब अछि। एकरा लेल दिन-रात जुटल राहुल बिहार क कांग्रेसी नेता स जरूरी आंकड़ा आ तथ्य जुटा रहल छथि।
सूत्र क मुताबिक एहि क्रम मे बिहार प्रदेश कांग्रेस क प्रवक्ता मुक्तिनाथ उपाध्याय राहुल कए एकटा विस्तृत नोट पठेलथि अछि। इ नोट बनेबा मे कहल जा रहल अछि जे हुनकर मदद नीतीश स बगावत करि चुकल पूर्व मंत्री जमशेद अशरफ केलथि अछि। नीतीश क खास रहल सांसद राजीव रंजनसिंह उर्फ ललन स सेहो कांग्रेस संपर्क मे अछि। उपाध्याय क मुताबिक पिछला 4 साल मे औद्योगिक आ कृषि उत्पादन खसल अछि। एक मेगावाट बिजली क अतिरिक्त उत्पादन नहि भेल अछि आ विदेशी निवेश क स्थिति शून्य अछि। इ बिहार क ओ सच अछि जेकरा स कांग्रेस कए नव जीवन देबाक कोशिश कैल जा रहल अछि।