पटना । बिहार राज्य आवास बोर्ड तत्काल नव आवास नहि बनाउत। बोर्ड कंकड़बाग मे कामर्शियल काम्प्लेक्स आ बहादुरपुर मे एम्यूजमेंट पार्क बनाउत। उपमुख्यमंत्री सह नगर विकास मंत्री सुशील कुमार मोदी कहला जे बहादुरपुर हाउसिंग कॉलोनी आ कंकड़बाग रेंटल फ्लैट कए हायर पर्चेज पर निबटाउल जा रहल अछि। एकर अतिरिक्त आवास बोर्ड कए निर्देश देल गेल अछि जे ओ राज्य क विभिन्न हिस्सा मे बोर्ड क व्यावसायिक इस्तेमाल योग्य जमीन क पहचान करे ताकि ओकरा स्कूल, अस्पताल आदि क लेल देल जा सके। मोदी कहला जे कंकड़बाग मे कामर्शियल काम्प्लेक्स बनेबा लेल निविदा भ चुकल अछि। 10.51 करोड़ मे अल्ट्रा होम्स कए जिम्मा सौंपल गेल अछि। बहादुरपुर मे साढ़े आठ एकड़ जमीन पर एम्यूजमेंट पार्क क निर्माण क प्रस्ताव अछि। गया क मुस्तफाबाद मे 17 एकड़ जमीन पर आवासीय कॉलोनी क निर्माण भ रहल अछि। पटना, आरा, दरभंगा, समस्तीपुर, छपरा, पूर्णिया, भागलपुर, गया और सासाराम मे कुल 2869 एकड़ जमीन क अर्जन कैल गेल अछि। एहि प्रकारे विभिन्न आय वर्गक लेल निर्मित 11 हजार 635 फ्लैट मे स 3581 फ्लैट अनावंटित अछि। सर्वाधिक पटना मे 1262 आ डालमियानगर मे 1112 फ्लैट क आवंटन नहि भ सकल अछि। पटना क बहादुरपुर मे 3872 आवासीय इकाइक निर्माण भेल अछि, जाहि मे 1776 पर अतिक्रमण अछि। ओ कहला जे बोर्ड पर बीमा कंपनी क 24 करोड़ आ राज्य सरकार क 68 करोड़ देनदारी अछि।