सिंहवाड़ा। तमाम विषम परिस्थिति क बाद बिहारक सभ्यता किछु खास रहल अछि जे सिंहवाड़ा प्रखंड क बस्तवाड़ा गांव क पछियारी पोखर स्थित कब्रिस्तान परिसर मे बनल छठिक घाट पर देखबा मे भेटत। इ एकटा एहन पावन स्थल अछि जतए मुसलमान अपन पुरख कए सुपुर्दे खाक करि मगफेरत क दुआ मांगैत अछि आ हिन्दू प्रत्येक साल एहि पोखर क घाट पर छठि क पूजा करैत अछि। एकहि परिसर मे कब्रगाह आ छठिक घाट स्थापित अछि। एकर रख-रखाव क लेल जतए कब्रगाह कए घेराबंदी करि घाट पर जेबा लेल 15 फीट चौड़ा बाट छोड़बा लेल मुस्लिम समाज तैयार भेल ओतहि घाट क ईंट कए उखाड़ि कए फेंकनिहार कए पुलिस क हवाले करा मुस्लिम समाज एहन मिशाल कायम केलक जे पूरा जिलाक सीना तना गेल। ओना त एहि पोखर मे छठ पहिनो होइत छल मुदा नव स्वरूप मे बनाउल गेल घाट आ बाट स पूरा गाम उत्साहित अछि।