सीएम केलथि नेविगेशन, रोड, ट्रांसपोर्टेशन आ हाइवे क डीजी स अपील, कोनो तरहे बचाउ उत्तर बिहारक जीवन रेखा कए
शुरू भेल आइआरसी क 70वां अधिवेशन
कंकड़बाग ओल्डवाईपास रोड पर सेहो मंगलथि सुझाव
ग्रामीण सड़क क लेल सेहो आइआरसी बनाबे रणनीति
हॉल जेतबा सुंदर बनाउ गाम क सड़क
राज्य बजट क 30 फीसदी खर्च भ रहल अछि मात्र सड़क पर
उज्जवल कुमार
पटना: गांधी मैदान शनि दिन इंजीनियर स भरल छल। सब दिस बस सड़क क विशेषज्ञ देखबा मे आबि रहल छलाह। कहियो जॉन एफ कनेडी अमेरिका क तरक्की क सबटा श्रेय सड़क कए देने रहथि। कनेडी क कहब छल- अमेरिका विकसित अछि, एहि लेल एकर सड़क नीक नहि अछि, एकर सड़क नीक अछि ताहि लेल अमेरिका विकसित राष्ट्र बनि सकल। आइआरसी क प्रसिडेंट डी बी देशपांडेय क एहि कान कए सीएम नीतीश कुमार सेहो दोहरा रहल छथि। नीतीश कुमार कहला जे बिहार सरकार अपन कुल बजट क 30फीसदी हिस्सा रोड पर खर्च करि रहल अछि।Ó गांधी मैदान मे निर्मित विशेष हॉल ‘अशोकÓ मे रोड कांगे्रस क उद्घटन करैत नीतीश याचक क मुद्रा मे आबि गेलाह। नेविगेशन आ एच क डीजी निर्मल जीत सिंह स अपील करैत कहला-अहां स हाथ जोडि़ कए प्रार्थना करैत छी जे हमर राज्य मे राष्ट्रपिता क नाम पर एकटा सेतु अछि । उत्तर बिहार क दू दर्जन जिला क लेल द जीवन रेखा छी। अहां स आग्रह अछि जे अहां अपन एक्सपर्ट टीम क संग जाकए एकर हालात देखू । एकर कोनो समाधान या इलाज भ सकैत अछि त कहू। यदि केंद्र सरकार टका नहि देत त हम खुद एकर इंतजाम करब। आइआरसी क तात्कालिक लाभ इतबा त देल जाए बिहार कए। सीएम प्रत्यय अमृत कए सेतु भ्रमणक इंतजाम करबा लेल कहलथि। मुख्यमंत्री ओल्ड बाईपास रोड क बेर-बेर क्षतिग्रस्त हेबाक कारण सेहो तकबा लेल विशेषज्ञ लोकनि स आग्रह केलथि।
मुख्यमंत्री आइआरसी मे भाग लेनिहार सबटा प्रतिनिधि स अपील केलथि जे भारत क आत्मा गाम मे बसैत अछि । एकरा लेल जरूरी अछि जे अहां रोड क जे नीति नेशनल हाईवे क लेल बनबैत छी, ओतबे गुणवत्तापूर्ण नीति गामक सड़क लेल सेहो बनाउ। आइआरसी क उद्घाटन समारोहक अध्यक्षता करैत डिप्टी सीएम कहला जे पिछला चारि साल मे बिहार मे काफी बदलाव आयल अछि।
आरसीडी क सचिव प्रत्यय अमृत सेहो अपन उद्घाटन भाषण मे सबटा प्रतिनिधि स अपील केलाह जे ओ बिहार आबथि आ एकर बदलैत रूप देखति। प्रवासी बिहार मे अपन भूमिका निभाउथि। आरसीडी आ पुल कंस्ट्रक्शन डिपार्टमेंट क उपलब्धि पर अमृत प्रकाश देलथि।
सबटा फोटो मनीष सिन्हाक अछि।