• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

कलाकार मनक हत्‍या नहि कए सकलहुं : राहुल

July 12, 2011
in समाचार, साक्षात्‍कार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

बहुमुखी प्रतिभाक धनी राहुल गाम घर मे नाटक खेलाइत खेलाइत कहिया एकरा अपन करियर बना लेलथि हुनको पता नहि चलल । ‘बाहुबली’ क ललन क रूप मे काज करि छोट पर्दा क जरिए..घर-घर मे पहचानल चेहरा राहुल आइ हिंदी आ मैथिलीक कईटा सिनेमा मे लीड भूमिका निभा रहल छथि। हुनकर मैथिली फिल्म सजना के आँगन में सोलह श्रृंगार एहि साल आबि रहल अछि। प्रस्तुत अछि इसमाद लेल राहुल स सुनील कुमार झाक गपशपक खास अंश-
प्र- राहुल सबस पहिने इसमाद स गप करबा लेल धन्‍यवाद।
राहुल- अहूं कए धन्‍यवाद
प्र- अहांक पैतृक घर कतए भेल, परिवारक आओर कियो एहि फील्ड मे छथि?
राहुल- हमर घर मधेपुरा भेल। हमर जन्म 21 फरबरी 1977 कए मधेपुरा जिलाक एकटा छोट सनक गाम बुधमा में भेल अछि। …।
प्र- अहांक एकटा कलाकार बनबा मे माता-पिताक एतबा योगदान अछि।
राहुल- हम पढाई लिखाई मे ठीक रही। अपन क्लास मे फर्स्ट करैत रही, ताहि लेल माता-पिता सेहो कहियो कला स कोनो समझौता करबा लेल दबाव नहि देलथि। हुनकर सहयोग क कारण आइ एहि ठाम छी।
प्र- अहांक पढाई कतए भेल।
राहुल- प्रारंभिक शिक्षा स ल कए स्नातक तक क शिक्षा सहरसा जिला मे मनोहर लाल टेकरीवाल कॉलेज स केलहुं। सांख्यकी स स्नातक केला क बाद दिल्ली एलहुं आ त्रिवेणी कॉलेज स फोटोग्राफी मे स्नातक केलहु, मुदा भीतरक कलाकार मन…फोटोग्राफी मे नहि रहबा लेल बेर बेर दबाव द रहल छल। किछु दिन क बाद हिमाचल प्रदेश क मंडी ड्रामा स्कूल स ड्रामेटिक आर्ट मे डिप्लोमा करबाक फैसला लेलहुं आ ओहि ठाम स निकललाक बाद सीधा मायावी नगरी मुंबई…।
प्र- अहांक कला यात्रा कोना शुरू भेल।
राहुल- हम जीवन क पहिल स्टेज नाटक अपन कॉलेज क दिन मे सहरसा मे केने रही, जेकर नाम छल अमली… सहरसा क आह्वान नाट्य मंच केने छल। आरटी रंजन क निर्देशन मे मंचित इ नाटक सहरसाक लोक क दिल मे बैस गेल छल आ हमरा एकटा सशक्त अभिनेता क रूप मे उभरबाक मौका भेटल।
प्र- मुंबई मे केहन अनुभव रहल, काज भेटबा मे केतबा दिक्‍कत भेल।
राहुल- अनुभव नीक रहल आ आज भेटबा मे कोनो पैघ दिक्‍कत नहि भेल। मुंबई एला क बाद पहिल बेर अभिनय करबाक मौका भेटल बाहुबली धारावाहिक मे ललन सिंह क भूमिका स। बिहार क बाहुबली नेता पर बनल ई धारावाहिक मे हमरा काफी स्‍कोप भेटल आ हमर काज क सराहना भेल। जेकर परिणाम सेहो सोंझा आयल। हिंदी फिल्म दिलनशी मे काज भेटल।
प्र- अहां मैथिली सिनेमा मे सेहो काज कए रहल छी।
राहुल- जी, हमर पहिल मैथिली फिल्म सजना क आँगन मे सोलह श्रृंगार दशहरा क सुभ अवसर पर अपना लोकनि क बीच आउत। एही मे हमर मुख्य भूमिका अछि। एकर अलावा सेहो हम दू टा मैथिली फिल्म कोशी मैया आ सबरी क बैर, आ एकटा हिंदी फिल्म पुष्पांजलि कए रहल छी।
प्र- अहां मैथिली सिनेमाक विकास लेल प्रयासरत छी, कोनो योजना अपन क्षेत्रक विका लेल सेहो अछि।
राहुल- योजना त बहुत अछि, मुदा जाहि पर गंभीरता स विचार कए रहल छी ओहि मे सएकटा सहरसा जिला मे एकटा नाट्य विद्यालय खोलबाक योजना कहि सकैत छी। अपन गाम घर क जे कलाकार टका या नीक दिशा निर्देश क आभाव मे अपन कलाकार मन कए हत्‍या करैत छथि हुनका लेल इ नाट्य विद्यालय वरदान साबित होएत।
प्र- राहुल अहांक आगामी सिनेमाक सफलताक बधाई आ इसमाद संग गप करबा लेल धन्‍यवाद।
राहुल- इसमाद कए सेहो शुभकामना आ धन्‍यवाद।

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

एनएचएआइ कए सौंपल गेल गांधी सेतु

Esamaad Epaper Website

ब्रांडेड कपडा क निर्माण लेल मुजफ्फरपुर तैयार

मुजफ्फरपुर मे शुरू भेल मॉल क निमार्ण

Comments 9

  1. Sunil says:
    14 years ago

    राहुल जी मिथिलाक लाल छैथ…

    Reply
  2. kislay krshna says:
    14 years ago

    esamaad ke dhanyavad rahul sao saxatkarak lel….

    Reply
  3. prakash says:
    14 years ago

    ई-समाद आ सुनील जीक धन्यवाद जे कलाकार के सामने अनबाक प्रयास शुरू केलथि अछि. राहुल जी हमर सभहक मित्र छथि. राहुल भारती + उत्पल झा + संजय सिंह + रजनीश झा …. ई सब गोटे सहरसाक ओ खेप छथि जे रंगकर्म संग फिल्म जगत मे एक संग सक्रिय छथि..

    Reply
  4. Dr.Dhanakar Thakur says:
    14 years ago

    Neek lagal je Saharsame parhi otak baat yadd chhani.

    Reply
  5. Dayakat says:
    14 years ago

    Rahul jee aur Sunil jee dunu gote de bahut bahut dhanybad, rahul jee jinikak har shetra me aagu badhaith aur Super Star banaith, rahul ke ekta baat bahut besi neek lagal je saharsa me natak akdmi kholwak vichar karait chhaith, log jakhn upar uthi jait achhi te neecha wala ke kira-mokora bujhay lagait chhaik, aur sabse pahne apan sanskar bisari jait achhi.

    Reply
  6. Prakash Kr. Jha says:
    14 years ago

    Rahul ji sa kayal gel sakchhatkar neek laagal. Mithila me pratibha ke kono kami nahi achhi.

    Reply
  7. BHASKARANAND JHA BHASKAR says:
    14 years ago

    atek sundar maithilik website dekhi ke mon khush bhay gel…..Mithilak gram gram ke samachar…vikasak projects gatividhi…sab sa sambadhit samachar sa avagat bhay jay chhi….ahi website ke paachha ya aaga je bhi karmachari/vyakti chhathi sachmuch dhanyavaadak patra chaathi.asha karait chhi ki aaba bala kichhi samay me esmad Mithilak bikasa me amuly yogadaan det.ahi me kono prakarak samshay nahi.

    samge sab rachanakar ke dhanyavaad dait…ii waada kay rahal chii ki hamhu esamad ke madhyam se Mithila ke samskriti ke raksha tatha sambardhan kar me sarthak tatha bishesh yogadaan deb…saadar.

    Bhaskaranand Jha Bhaskar
    Basant,Kharka,Jale darabhanga

    Reply
  8. भास्करानंद झा भास्कर says:
    14 years ago

    वाह वाह मिथिला के सपूत के हिन्दी आर मैथिली फ़िल्म में अभिनय संबंधी जानकारी प्राप्त कय के अति प्रसन्नता भेटल । मैथिली फ़िल्म रिलीज भेला पर फ़िल्मक प्रचार में हम मैथिल सब जरूर जोश आर खरोश के साथ अव्श्य योगदान करब। धन्यवाद !!!

    भास्करानंद झा भास्कर
    बसंत,खड़का,जाले दरभंगा ।

    Reply
  9. Praveen kumar says:
    14 years ago

    bahut sunder.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि