पटना : पटना मे बिहार चैम्बर ऑफ कॉमर्स (बीसीसी) आओर राज्य क आला पुलिस अधिकारी क वार्षिक बैठक संपन्न भेल। पिछला कई साल स इ बैठक खूब चर्चा मे रहल अछि। एहि बैठक मे कारोबारी आ पुलिस अधिकारीक बीच खूब बहस होइत रहल अछि। हर कदम पर खतरा महसूस करनिहार कारोबारी सबहक सामने पुलिसकर्मी खुद कए निर्दोष साबित करबा मे लागल रहैत छलाह। मुदा एहि साल बैठकक रूप रंग बदलल छल। एहि साल कानून-व्यवस्था एहि बैठक मे चर्चा लेल सूचीबद्ध नहि भेल। एहि बेर एहि मुद्दा क स्थान पर पटना क बेढ़ब यातायात व्यवस्था मुख्य चर्चाक विषय छल। बीसीसी क एकटा वरिष्ठ सदस्य योगेश्वर पांडेय कहला, ‘बैठक मे कानून व्यवस्था क जिक्र तक नहि भेल। पांच साल पहिने एहि बैठक मे मात्र एहि मुद्दा पर चर्चा होइत छल।Ó बीसीसी क पूर्व प्रमुख ओपी शाह आइ देश क सबस पैघ एफएमसीजी कंपनी हिंदुस्तान यूनिलीवर क लेल बिहार मे फ्रेंचाइजी पार्टनर क भूमिका अदा करि रहल छथि। हुनकर कहब अछि जे अगर कानून व्यवस्था मे सुधार नहि भेल रहिते, त ओ इ साझेदारी कहियो नहि करितथि आ न हाजीपुर मे 30 करोड़ टकाक डिटर्जेंट प्लांट खोलबाक हिम्मत जुटा सकतहुं। शाह कहला, ‘एचयूएल 1993 स बिहार मे डिटर्जेंट प्लांट क लेल स्थानीय उद्यमी क तलाश करि रहल छल । मुदा कोनो स्थानीय कंपनी सामने नहि आबि रहल छल, किया कि इ खतरा कए न्योत देब जेना छल।Ó इंफ्रास्ट्रक्चर एकटा एहन क्षेत्र अछि, जाहि मे काफी बदलाव भेल अछि। ओ कहलथि जे ओ दिन नहि बिसरि सकैत छी, एहि ठामक कारोबारी आ उद्यमी अपन इकाइ बंद करि दोसर राज्य मे जा रहल छलाह। ओहि समय ग्रोथ स्टोरी क गप करब बेमानी लगैत छल। मुदा फेर धीरे-धीरे चीज ठीक होइत चलल गेल। आइ कियो बाहर स जे देख कए जे बदलाव क गप करै, हम त एतबा कहब जे हमर सबहक प्राथमिकता आ मुद्दा बदलि गेल अछि। आ हम सब बिहार मे रहि कए एकरा बदलबाक कोशिश केलहुं अछि।
एहि संबंध में पटना क प्रसिद्ध डॉक्टर रंजन अखौरी कहब अछि जे पहिने सांझ पांच बजे अपन क्लीनिक क शटर खसा दैत छलहुं। छह बजेक बाद अपन घर स बाहर नहि निकलैत छलहुं, भले ककरो किछु भ जाइत छल। डॉ अखौरी सन अनेक डॉक्टर अपहरण गैंग कए ‘प्रोटेक्शन फीसÓ तक दैत छलाह, मुदा इ खतरा सेहो रहैत छल जे कहीं दोसर गिरोह हुनका अगवा न करि लै। अखौरी कहब अछि जे ओ अतीत क एकटा डरावना सपना अछि जे एखनो देह शिहरा दैत अछि। ओ मानैत छथि जे राजनीतिक रूप स लोक जे हल्ला करे, मुदा बिहार वास्तव मे ओ राज्य बनि रहल अछि, जतए कहियो-कताल होइवाला दृश्य आम भ गेल अछि। देश क एहि हिस्सा क लेल हालात सामान्य पटरी पर लौटब अपने आप मे एकटा उपलब्धि अछि।