किशनगंज। उत्तर-पूर्व बिहार क पहिल फूड प्रोसेसिंग प्लांट किशनगंज मे खुलत। एहि ठाम पैघ पैमाना पर मक्का आधारित प्रोडक्ट तैयार कैल जाएत। कोसी प्रमंडल क आठटा जिला किशनगंज, अररिया, पूर्णिया, कटिहार, सहरसा, सुपौल, मधेपुरा, खगड़िया मे मक्का क रिकार्ड उत्पादन भेला पर एहि क्षेत्र मे निवेशक दुहारि सेहो खुलल अछि। एखन धरि उपजल मक्का कए दोसर राज्य पठाउल जाइत अछि। एग्रोटेक नामक कंपनी राजेन्द्र कृषि विश्वविद्यालय क सहयोग स फूड प्रोसेसिंग प्लांट लगेबाक दिशा मे इ डेग उठेलक अछि। एग्रोटेक क चेयरमैन पुलक वर्द्धन कहला जे प्लांट क स्थापना लेल भेडियाडांगी क समीप जमीन चिन्हित कैल गेल अछि। एकरा लीज पर लकए प्लांट क स्थापना मे दो करोड़ टका खर्च कैल जाएत। एकरा लेल राजेन्द्र कृषि विश्वविद्यालय क फूड एंड न्यूट्रिशियन विभाग आ कंपनी क बीच समझौता क तहत कार्ययोजना कए मूर्त रुप देल जा रहल अछि। एकरा लेल राजेन्द्र कृषि विश्वविद्यालय क फूड एंड न्यूट्रिशियन विभाग क अध्यक्षा डॉ. उषा सिंह क नेतृत्व मे एकटा टीम जिलाक दौरा करि विस्तृत कार्ययोजना सेहो तैयार क लेलक अछि। डॉ. सिंह क कहब अछि जे करीब दू करोड़ क लागत स स्थापित भ रहल एहि प्लांट स किसान कए काफी फायदा पहुंचत। हुनका स सीधा मक्का कीनल जाएत, जाहि स फसल क उचित दाम हुनका भेटत। एहि प्रोसेसिंग प्लांट स स्थानीय लोक कए रोजगार सेहो भेटत। ओ कहलथि जे एहि फूड प्रोसेसिंग प्लांट मे स्वास्थ्यवर्द्धक उत्पाद क निर्माण कैल जाएत। एहि मे बेबीकार्न, स्वीटकार्न, पापकार्न, दलिया, सूजी, चाकलेट, प्रोटीनयुक्त भूजा सहित लगभग 175 प्रकार क प्रोडक्ट शामिल अछि। एहि स बचल अवशिष्ट पदार्थ स पशुचारा क सेहो उत्पादन होएत। एहि मसला पर जिलाधिकारी संदीप कुमार कहला जे एहि प्रकार क कार्ययोजना कए हर संभव मदद देल जाएत। ओ कहला जे निश्चित रूप स फूड प्रोसेसिंग प्लांट क स्थापना स एहि क्षेत्र क किसान क हालत मे काफी सुधार होएत।