पटना। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार किसान कए सेहो काली पूजाक मौका पर सनेस दैत कृषि कए क्रमबद्ध ढंग स यंत्रीकृत करबाक एलान केलथि अछि। मुख्यमंत्री कहलथि जे एहि वर्ष कृषि क यंत्रीकरण क सबटा योजना कए एक संग लागू करैक बजाय किसान क मांग क अनुरूप पहिने पावर टिलर क आपूर्ति कैल जाइत। कियाकि जोत क रकबा घटला स पावर टिलर, ट्रैक्टर स बेसी उपयोगी साबित भ रहल अछि। सरकार प्रत्येक पावर टिलर पर 60 हजार टका क अनुदान सेहो द रहल अछि। मुख्यमंत्री पटना मे बिहार क किछु चुनिंदा किसान कए संबोधित करैत छलाह। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आलू आ प्याज उत्पादक कए प्रति एकड़ एक हजार टका क सहायता राशि देबाक घोषणा केलथि अछि। किसान पंचायत मे लम्बा बहस क बाद तैयार कृषि रोडमैप क कार्यान्वयन स उत्साहित मुख्यमंत्री कहला जे कृषि विभाग कए निर्देश देल गेल अछि जे एक संग कईटा काज नहि हेबाक चाही। अत: कृषि यंत्र क वितरण मे पहिने पावर टिलर पर विशेष ध्यान देल जाए। जे किसान एकरा लेल आवेदन द रहल छथि हुनका इ भेटबाक चही। एकर बाद सिंचाई क लेल स्प्रिंकलर आदि क वितरण कैल जाए। मुख्यमंत्री क अनुसार चारि साल मे माहौल बदल अछि। जल संसाधन मंत्री बिजेन्द्र यादव कहलथि जे तीन फसला खेती क गुंजाइश बिहार मे एखनो अछि।