पटना। बिहार क किसान आब एक लाख टका तक क कृषि ऋण बिना कोनो मार्गेज-बंधेज क हासिल करि सकैत छथि। उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी कहला जे संशोधित प्रावधान मे एहि तरह क व्यवस्था कैल गेल अछि। ओ कहला जे सरकार नौ जुलाई कए सभी प्रखंड मुख्यालय पर किसान क्रेडिट कार्ड (केसीसी) वितरण क लेल मेगा कैम्प आयोजित करै जा रहल अछि। एकरा लेल जिलाधिकारी आ उप विकास आयुक्त कए निर्देश देल गेल अछि। ओ कहला जे चालू वर्ष मे 20 लाख केसीसी वितरण क लक्ष्य निर्धारित कैल गेल अछि। सरकार कृषि क्षेत्र क विकास पर पूरा ध्यान केन्द्रित केने अछि। राज्य सरकार एकरा लेल लगातार बैंकों पर दबाव बनौने अछि। नतीजा अछि जे 2005-06 मे जतए मात्र 3.18 लाख केसीसी क वितरण भेल छल ओ आइ 2009-10 मे बढि़कए 13.39 लाख भ गेल अछि। एहि साल 20 लाख केसीसी क वितरण क लक्ष्य निर्धारित कैल गेल अछि
उप मुख्यमंत्री कहला जे पहिने 50 हजार तक क कृषि ऋण क लेल कोनो प्रकार क मार्गेज क जरूरत नहि छल, मुदा आब नव संशोधन क अनुसार एक लाख तक क कृषि ऋण लेल कोनो प्रकार क मार्गेज क जरूरत नहि रहत। ओ कहला जे बैंक कए केसीसी कैंप मे बिहार भू-जल सिंचाई परियोजना स संबंधित ऋण सेहो देबा लेल कहल गेल अछि।