• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

केंद्र क रवैया स बिजली परियोजना अधर मे

March 27, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना। बिहार मे बिजली उत्‍पादन लेल पिछला किछु साल मे निजी क्षेत्र काफी निवेश करबाक इच्‍छा प्रकट केलक, मुदा अधिकतर निजी थर्मल पावर प्रोजेक्ट एकरारानामा तक सीमित भ रहि गेल। एकरारनामा क दौरान कहल गेल छल जे एहि स निवेश कए बढ़ावा भेटत, लोक कए रोजगार भेटत आ बिहार कए बिजली भेटत। मुदा एखन धरि एहन किछु नहि भेल। परियोजना मे देरी क मुख्‍य कारण बताउल जा रहल अछि कोल लिंकेज क अभाव। निवेशकक कहब अछि जे जमीन खरीद कए की करब, जखन धरि कोल लिंक नहि भेटैत अछि जमीन लेला स कोनो फायदा नहि। ओना निवेशक मानैत छथि जे जमीन अधिग्रहण एकटा पैघ समस्‍या अछि आ दिन प्रति दिन जमीनक मुआवजा बढत। तखनो बिना कोल लिंक कए जमीन मे निवेश करब ओ घाटाक सौदा मानैत छथि। हुनक कहब अछि जे कोल लिंक भेटलाक बाद जमीन अधिग्रहण क प्रक्रिया शुरू कैल जा सकैत अछि। ज्ञात हुए जे नागपुर क मेसर्स जास इन्फ्रास्ट्रक्चर कैपिटल प्राइवेट लि. द्वारा बांका मे 2640 मेगावाट, कोलकाता स्थित मेसर्स नालन्दा पावर कम्पनी प्रा. लि. द्वारा पीरपैंती मे 2000 मेगावाट, कोलकाता क मेसर्स गंगा पावर एण्ड नेचुरल रिसोर्सेज लि. द्वारा पीरपैंती मे 1320 मेगावाट, संग्रामपुर क कम्पनी मेसर्स इण्डिया पावर कारपोरेशन लि. द्वारा पूर्वी चम्पारण मे 1320 मेगावाट, गुडगांव स्थित एईएस इंडिया प्रा. लि. द्वारा भागलपुर क जगदीशपुर मे 1320 मेगावाट आ गुडगांव क कम्पनी मिराच पावर प्रा. लि. द्वारा लखीसराय मे 1320 मेगावाट क्षमता क विद्युत परियोजना क स्थापना लेल एकरारनामा पर हस्ताक्षर कैल गेल अछि। एकर अलावा बिहार पावर इन्फ्रास्ट्रक्चर कम्पनी प्रा. लि. द्वारा विद्युत स्थल क चयन क प्रतिस्पर्धात्मक निविदा द्वारा न्यूनतम दर पर विद्युत उत्पादक एजेंसी क चयन करबाक अछि। एकर आधार पर पीरपैंती मे 1320 मेगावाट आ बक्सर क चौसा मे 1320 मेगावाट क थर्मल पावर प्रोजेक्ट लेल निविदा आमंत्रित कैल गेल, मुदा तकनीकी कारण स आगू नहि बढि सकल। एहि ठाम कोल लिंकेज नहि भेला स परियोजना क प्रति मात्र एकटा निवेशक रुचि देखैलथि। निवेशक क साफ कहब अछि जे केंद्र क रवैया नाउम्‍मीद करैत अछि। ओना ऊर्जा विभाग एखनो उम्मीद नहि छोडलक अछि। प्रोजेक्ट स्थापित करबा लेल एमओयू करि चुकल कम्पनी 12म पंचवर्षीय योजना अवधि अप्रैल 2012 स मार्च 2017 तक काज शुरू करबाक उम्मीद करि रहल अछि। मुदा सवाल अछि बिना कोल लिंक कए इ परियोजना आगू कोना बढत। गौतलब अछि जे एहि निजी परियोजना स 85 प्रतिशत बिजली बिहार कए भेटबाक अछि, जखन कि एनटीपीसी क थर्मल स बिहार कए अधिकतम 50 प्रतिशत बिजली भेटैत अछि।

Tags: Bihar

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

रक्षा मंत्रालय द देलक जमीन

जखन भेल बंटवारा क दर्द

Esamaad Epaper Website

काफी सुधरि गेल अछि बिहार मे लोकक जीवनस्‍तर

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि