• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

केंद्र क विरोध जारी, पांचटा सड़क कए चार लेन बनेबा स केलक इनकार

February 7, 2011
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना। पगडंडी कए सडक बुझनिहार बिहारक लोग पिछला सात साल स फोरलेन सडकक बाट ताकि रहल छथि। मुदा बिहार क विरोध करब केंद्र क स्वभाव बनि चुकल अछि। पिछला छह दशक स गरीब आ पिछडल एहि राज्य कए केंद्र एखनो विकासक बाट पर चलैत नहि देखए चाहैत अछि। एकबेर फेर बिहार संग उपनिवेश सन व्यवहार भ रहल अछि। राज्यक विकास लेल सबस जरूरी तत्व सडक क मामला मे केंद्र राज्य कए जोर क झटका देलक अछि। एक कात जतए रोज बिहार मे गाडीक बढोतरी भ रहल अछि, त दोसर दिस केंद्र सरकार ट्रैफिक क बहाना बना राज्यक क पांचटा महत्वपूर्ण सड़क कए फोर लेन बनेबा स इनकार करि देलक अछि। आब इ पांचो सडक टू लेन मे बनत। गौरतलब अछि जे केंद्रक इ फैसला एकतरफा अछि आ एहि विषय मे राज्य स कोनो गप नहि कैल गेल अछि। मोकामा-मुंगेर आब चारि क बदला मे महज दू लेन मे बनत। एनएचडीपी (राष्ट्रीय राजमार्ग विकास परियोजना) फेज-3 क एहि सड़क कए ल कए केंद्र मुंगेर क प्रस्तावित महासेतु पर ध्यान सेहो नहि देलक, जाहि पर अगिला दस वर्ष क भीतर ट्रैफिक लोड बढबाक पूरा संभावना अछि। एनएचएआई क महाप्रबंधक कर्नल चंदन वत्स कहैत छथि-ट्रैफिक लोड क हिसाब स दू लेन स काज चलि जाएत। एकरा लेल अतिरिक्त भूमि अधिग्रहण क जरूरत नहि पड़त। 351 करोड़ क इ परियोजना सीएंडसी कए आवंटित करि देल गेल अछि। चारिटा सड़क एखनो अटकल अछि, जाहि मे मुजफ्फरपुर-सोनबरसा, खगड़िया- पूर्णिया, गोपालगंज-छपरा आ आरा- बक्सर शामिल अछि। इ चारू सडक सेहो चार लेन क बदला मे आब दू लेन क बनत। एनएचएआई (राष्ट्रीय राजमार्ग प्राधिकरण) एकरा लेल नव सिरा स अधिसूचना जारी करत। एकरा लेल सेहो बहाना ट्रैफिक लोड कहल जा रहल अछि। ओना राज्यक किछु सडक कए दू लेनक स्थान पर चारि लेन मे बनेबाक मंजूरी द देल गेल अछि जाहि मे एनएचडीपी फेज-3 क तहत 11टा सड़क शामिल अछि। एहिमे हाजीपुर-मुजफ्फरपुर, पटना-बख्तियारपुर, खगड़िया-बख्तियारपुर, छपरा- हाजीपुर आ मोतिहारी-रक्सौल शामिल अछि। जायका क सहयोग स पटना- गया-डोभी सड़क कए सेहो फोर लेन कैल जा रहल अछि।

Tags: Bihar

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

दरभंगा घराना क युवा कलाकार महाराष्ट्र मे सम्मानित

Esamaad Epaper Website

बिहार 24,000 करोड़ टकाक बजट प्रारूप केंद्र कए पठेलक

Esamaad Epaper Website

2.5 अरब खर्च क सुधरत मुजफ्फरपुर क सीवरेज सिस्टम

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि