पटना। ग्रामीण कार्य विभाग क मंत्री डा.भीम सिंह ग्रामीण सड़क क निर्माण मे केन्द्रीय एजेंसियों (सीपीडब्लूडी, इरकान इण्टरनेशनल लिमिटेड, एनबीसीसी, एनएचपीसी, एनपीसीसी) क सुस्त चालि पर असंतोष जाहिर केलथि अछि आ ओ हुनका स वर्कप्लान मंगलाह अछि। मंत्री एहि एजेंसी स अपन द्वारा बनाउल गेल सबटा सड़क क सर्वेक्षण करा कए इ बतेबा लेल कहलथि अछि जे ओ कहिया तक एकर मरम्मत करा लेताह? नव निर्माण क संबंध मे एजेंसी 15 दिन आ मरम्मत क कार्ययोजना क लेल 7 दिन क समय मांगलक अछि। डा.सिंह प्रधानमंत्री ग्राम सड़क योजना क तहत केन्द्रीय एजेंसी द्वारा कराउल जा रहल निर्माण कार्य आ अनुरक्षण कए लकए समीक्षा बैठक करि रहल छलाह। बैठक क बाद डा. सिंह कहला जे ग्रामीण पथ क निर्माण दू माध्यम स भ रहल अछि। एक त राज्य सरकार अपने करा रहल अछि आ किछु काज पांचटा केन्द्रीय एजेंसी करा रहल अछि। केन्द्रीय एजेंसी द्वारा कराउल जा रहल काज क गति बहुत धीमा अछि आ जे काज भेल अछि ओकर अनुरक्षण नहि भ पाबि रहल अछि।