-अधिकारी कहला-शीघ्र सौंप देब केंद्र सरकार कए रिपोर्ट
-फुर्सतपुर बैरिया, बसतपुर आ चैलाहां मे भूमि क निरीक्षण
पटना । मोतिहारी मे केन्द्रीय विश्वविद्यालय क स्थापना कए लकए रविदिन सेन्ट्रल टीम शहर क विभिन्न स्थान क मुआयना केलक। टीम मे केन्द्रीय मानव संसाधन विभाग क संयुक्त सचिव सुनील कुमार, हैदराबाद यूनिवर्सिटी क कुलपति मो ई हसनैन, बिहार केन्द्रीय विवि क कुलपति प्रो जनक पाण्डेय आ रिटायर विंग कमांडर सह ओएसडी श्रीकांत मिश्रा शामिल छलाह। हिनका सब संग राज्य सरकार क मानव संसाधन विभाग क प्रधान सचिव अंजनी कुमार सिंह, जिलाधिकारी नर्मदेश्वर लाल, अपर समाहर्ता हरिशंकर सिंह, भू-अर्जन पदाधिकारी अवधेश पाण्डेय, मोतिहारी बीडीओ विद्यानंद सिंह आ बंजरिया बीडीओ मनोज कुमार सेहो मौजूद छलाह। टीम केन्द्रीय विवि क लेल प्रस्तावित तीनटा भूखंड क गहन जांच-पड़ताल केलक। टीम बंजरिया प्रखंड क पचरूखा मे 1500 एकड़, मोतिहारी सदर क बसतपुर पटपरिया मे 1000 एकड़ आ मोतिहारी इंजीनियरिंग कॉलेज क समीप फुर्सतपुर बनकट बैरिया मे 1000 एकड़ भूमि क निरीक्षण केलक। एकर अलावा अस्थाई रूप स विश्वविद्यालय संचालन क लेल रवीन्द्र नाथ मुखर्जी आयुर्वेद चिकित्सा महाविद्यालय, अल्पसंख्यक छात्रावास आ चीनी मिल क गेस्ट हाउस क सेहो जायजा लेलक। आयुर्वेद कॉलेज मे पठन-पाठन आ अल्पसंख्यक छात्रावास मे विद्यार्थी आ बैरिया स्थित चीनी मिल क गेस्ट हाउस मे प्राध्यापक क आवासन क तौर पर जायजा लेल गेल। जिला प्रशासन टीम कए जिला क समृद्ध ऐतिहासिक महत्व स अवगत कराउलक। जिलाधिकारी टीम कए जिला क संपूर्ण प्रोफाइल उपलब्ध करोलथि। जिला प्रशासन टीम कए आश्वस्त केलक जे केन्द्रीय विश्वविद्यालय क स्थापना क हर मानक मोतिहारी पूरा करैत अछि। निरीक्षण टीम मे शामिल अधिकारी कहला जे ओ शीघ्र केंद्र सरकार कए एहि संबंध मे अपन रिपोर्ट देताह। ओ इ सेहो संकेत देलाह जे किछु दिन मे एहि ठाम एकटा तकनीकी टीम सेहो आउत।
बड नीक लागल पढ़ि कय। कमेंट देबक व्यवस्था शॉर्ट करू।