पटना स समदिया अनन्त क खास रिपोर्ट
पटना। तसवीर सब किछु कहि दैत अछि। बीपीएससी घोटाला स जुड़ल लोक लग केतबा संपत्ति अछि, इ पता करब त संबंधित जांच एजेंसी क काज अछि। मुदा ओकर अंदाजा हुनकर घर-द्वार देखि कए लगाउल जा सकैत अछि। बीपीएससी कए कमाई क जरिया बना जेल तक क यात्रा करनिहार आरोपित पदाधिकारी आ कर्मचारी क लग मे महज रहबा योग्य मकान नहि अपितु आलिशान बंगला छैन। बोरिंग कैनाल रोड क अलखराज अपार्टमेंट स आयोग क प्रोग्राम एनालिस्ट भानुप्रताप कए निगरानी अन्वेषण ब्यूरो हिरासत मे लेने छल। कहल जाइत अछि जे शहरक इ नीक अपार्टमेंट मे स एकटा अछि आ प्रताप एहि मे दूटा पलैट कए इच्छानुरूप एक फ्लैट बना कए रहैत छलाह। हिनकर फ्लैट मे आधुनिक चकाचौंधक सबटा वस्तु मौजूद अछि। हिनकर बाड़ी
-झाड़ी सेहो काफी नीक अछि। रंगीन फव्वाड़ा आ पाथरक गलियारा देखबा लेल पड़ोसी सेहो ताक-झांक करबा स अपना कए नहि रोकि पबैत छथि।
एहिना अनिसाबाद क हरनीचक मुहल्ला मे रहैत छथि तेजेश्वर प्रसाद सिंह । स्थानीय लोक हिनका नौकरी देनिहार बाबा क नाम स जनैत अछि। मकान क बाउडी कए देखिकए लगैत अछि जे उक्त जमीन क पलौट 6-7 क_ा स कम नहि। दाम भेल करोड़ मे। एहि मकान क संग लगभग 7-8 कटठा क एकटन अलग स जमीन सेहो अछि।
तहिना आयोग क सदस्य सह उपसचिव सैयद मासूम अली क मकान सेहो काफी नीक अछि। अनिसाबाद क लग मे अलीनगर कॉलोनी मे स्थित हिनकर इ बंगला अछि। बंगला देखला स लगैत अछि जे इ लगभग ढ़ाई कटठा मे बनल अछि।