पटना/बाढ़। कोचिंग संस्थान दूर-दराज स आयल छात्र क संग आब मनमानी नहि करि सकत। सरकार प्रदेश भरि मे कुकुरमुत्ता जेकां उगि आयल कोचिंग सेंटर पर लगाम कसबा लेल पूरा तैयारी करि लेलक अछि। आब कोचिंग क निबंधन करैएब अनिवार्य भ जाइत। एकरा लेल शिक्षक क पात्रता, संस्थान मे बैसबा लेल पर्याप्त जगह, प्रसाधन क व्यवस्था क अलावा अधिकतम शुल्क निर्धारित कैल जा रहल अछि। 22 फरवरी स शुरू भ रहल विधानमंडल क सत्र मे एहि संबंध मे एकटन विधेयक आनल जाइत। एहि बीच, विभिन्न स्थान पर इक_ा भेल छात्र क टोली कोचिंग सेंटर पर पथराव, आगजनी आ तोडफ़ोड़ क सिलसिला जारी रखबाक प्रयास करैत रहलाह, मुदा मोहल्लाक आम लोकक विरोध कए देखैत उग्र रूप नहि धारण करि सकलाह। पुलिसक अनुसार फिलहाल हालात नियंत्रण मे अछि। आम लोकक कहब अछि जे तीन दिन स जारी उपद्रव मे छात्र क आड़ मे असामाजिक तत्व घुसल छल, जेकर हम सब विरोध करि रहल छी, ओना छात्रक संग एहि ठाम अन्याय भ रहल अछि।
दोसर दिन मानव संसाधन विकास विभाग क प्रधान सचिव अंजनी कुमार सिंह कहला जे एहन कानून बनाउल जा रहल अछि जाहि स कोचिंग पर लगाम लगाउल जा सकत। प्रस्तावित विधेयक मे इ प्रावधान कैल जाइत जे सरकार जखन चाहे कोचिंग संस्थान क निरीक्षण करि सकैत अछि। देखल जाइगा जे छात्र क लेल तय सुविधा अछि बा नहि। कमी भेला पर कार्रवाई कैल जाइत । सिंह कहला जे कोना कोटि क छात्र क संग केतबा शुल्क लेल जाए इ सेहो विधेयक मे शामिल होएत।
वरीय आरक्षी अधीक्षक विनीत विनायक कहला जे छात्र लाज मे रहि सकैत छथि, ककरो लाज खाली करबा लेल नहि कहल गेल अछि। ओना जे घर जाए चाहैत छथि हुनका जांच लेल रोकल नहि जाइत। एसपी कहला जे वीडियो फुटेज स उपद्रवी क पहचान करि कार्रवाई भ रहल अछि।