मिथिलाक विकास लेल जनप्रतिनिधि आ अधिकारीक सक्रियता आ इच्छा एक बेर फेर सवालक दायरा मे आबि गेल अछि। इ’समाद पहिनो इ खुलासा करि चुकल अछि जे मिथिलाक जनप्रतिनिधि लग क्षेत्रक विकास लेल कोनो योजना नहि अछि। एहि क्षेत्र मे पदस्थापित अधिकारी सेहो विकास लेल कोनो ब्लू प्रिंट तखन धरि तैयार नहि करैत छथि जखन धरि हुनका एकर निर्देश नहि भेटैत अछि। कुल मिला कए मिथिला क विकास क गप त बहुत होइत अछि मुदा योजना तकबा काल सब अगल बगल झंकैत भेट जाएत। किछु एहने नजारा बुधदिन सहरसा मे देखबा मे भेटल। अपन विकास यात्रा क चारिम चरण क दोसर दिन मुख्यमंत्री नीतीश कुमार मत्स्यगंधा झील क निरीक्षण करबा लेल पहुंचलाह। झीलक स्थिति देख मुख्यमंत्री सबस पहिने जनप्रतिनिधि स झील क विकास लेल गप केलथि। जनप्रतिनिधि झील क इतिहास छोडि भविष्य लेल किछु नहि कहि सकलाह। मुख्यमंत्री झीलक विकास लेल पदाधिकारी स योजना क संदर्भ मे जानकारी चाहलथि। पदाधिकारी लग कोनो योजना तैयार नहि छल। मुख्यमंत्री क्षेत्रक विकास पर एहि उदासीनता स स्तब्ध भ गेलाह। ओ तत्काल अधिकारी कए झील क सफाई आ सौंदर्यीकरण क निर्देश देलथि संगहि झीलक विकास लेल एकटा वृहत योजना तैयार करबाक आदेश देलथि। स्थानीय लोक क कहब अछि जे मुख्यमंत्रीक आदेशक बादो अगर स्थानीय जनप्रतिनिधि या अधिकारी एहि झील विकास लेल प्रयास करथि त खुशी होएत। ओना स्थानीय लोक इ सवाल सेहो करैत छथि जे आइ देश मे पंचायत राजक गप भ रहल अछि मुदा बिहार मे प्रमंडल स्तर पर योजना तखन तैयार भ रहल अछि जखन राज्यक मुखिया आदेश या निर्देशदैत छथि। स्थानीय जनप्रतिनिधि आ अधिकारी कहिया धरि मुख्यमंत्रीक आदेश आ निर्देश क बाद विकस लेल कार्ययोजना तैयार करतथि। आखिर मुख्यमंत्री तक कहिया पहुंचत मिथिलाक विकासक कोनो योजना।