• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

कोसी पर बनल पुलक की होएत नाम

January 10, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

नई दिल्‍ली। कोसी पर पुल बनि कए तैयार अछि आ छह फरवरी कए एकर उदघाटन सेहो तय अछि। मुदा एखन धरि तय नहि भ सकल अछि त एहि पुलक नाम। दू भाग मे बंटल मिथिला कए जोडि रहल इ पुल क सपना सब देखलक। 1934 मे भवटियाही स्‍टेशन कए जमीन मे समा गेला स टूटल संपर्क लाख प्रयासक बावजूद एखन धरि नहि जुडि सकल छल। मिथिला लेल इ मात्र एकटा पुल नहि छी, इ ओकर सांस्‍कृतिक, सामाजिक आ आर्थिक पुनर्स्‍थापन छी। एहन मे एहि पुलक नाम पर मंथन जरूरी भ जाइत अछि। ओना त एहि पुलक खाका दरभंगाक पूर्व सांसद आ मिथिला पुत्र ललित नारायण मिश्र खींच गेल छलाह, मुदा एकरा एहि रूप त अनबा मे झंझारपुर आ सहरसाक तत्‍कालीन सांसदक योगदान उल्‍लेखनीय अछि। हिनके दूनू गोटेक जिद पर इ सडक एहि दिस स गेल, नहि त इ सडक बरौनी द कए जाइत छल। मिथिलाक एहि इच्‍छा कए स्‍वीकार करि तत्‍कालीन प्रधानमंत्री अटल बिहारी वाजपेयी एहि पुल क शिलान्यास केलथि। देर सबेर आइ इ पुल नामकरण संस्‍कार लेल तैयार अछि। एहि पुलक नामकरण क चर्चा क बीच मधुबनीक सांसद हुक्मदेव नारायण यादव एकटा पत्र केन्द्रीय सड़क परिवहन आ राजमार्ग मंत्री कए लिखलथि अछि। अपन पत्र मे ओ मंत्रालय स आग्रह केलथि अछि जे कोसी महासेतु क नामकरण कोनो मिथिलाक विभूतिक नाम पर कैल जाए। मंत्री कए लिखल पत्र में सांसद किछु नाम क सुझाव देलथि अछि जाहि मे आयाची-मंडन सेतु आ ललित सेतु शामिल अछि। दोसर दिस मैथिलीक प्रख्‍यात गीतकार आ गायक चंद्रमणि क कहब अछि जे पुलक नाम मिथिला सेतु राखल जाए। ओ कहला अछि जे दू भाग मे बंटल मिथिला कए जोडनिहार एहि पुलक नाम मिथिला सेतु हेबाक चाही। दू भाग मे बंटल मि‍थिलाक दर्द कए अपन लेखन मे उतारनिहार पत्रकार गिरींद्र नाथ क एहि संबंध मे साफ कहब अछि जे नाम किछु राखि देल जाए मुदा पुल चालू भ जेबाक चाही। हुनक कहब अछि जे कहीं नाम पर उठल विवाद स पुलक उदघाटन नहि प्रभावित भ जाए। श्री झा क कहब अछि जे जेकर नाम पर रखबाक छैक राखि द ..मुर्दा-जीवित…सबटा स्वीकार अछि..खाली चालू क देल जाए इ पुल भाई,,,एनएच 31 स दरंभगा जाइत-जाइत हम पूर्णिया क मैथिल सब थाकि जाइत छी।. पुल चालू भ जाए त चट द पहुंच जायब गाम…। एहिना युवा दयाकांत क कहब अछि जे पुलक लेल सबस सुंदर नाम अयाची-मंडन सेतु होएत। दूनू महान विभूति छथि आ दूनू पूर्वी आ पश्चिमी भाग क प्रतिनिधि विद्वान सेहो छथि। शिक्षक आभाष आनंद क कहब अछि जे पुल क नामकरण लेल विद्यापति पर सेहो विचार कैल जाए। विद्यापति मिथिलाक एकटा सांस्‍कृतिक दूत छथि आ एखनो मिथिला कए एक सूत्र मे बांधि रखनिहार छथि। लोक बीच एहि नामकरण पर चर्चा त तखन धरि चलैत रहत जखन धरि एकर नामकरण नहि भ जाइत अछि। भ सकैत अछि इ चर्च ओकर बाद सेहो चलैत रहए। मुदा एतबा जरूर आम राय बनल जा रहल अछि जे एहि सेतु क नाम कोनो मैथिलक नाम पर राखल जाए। निश्चित रूप स इ मांग उचित अछि।

Tags: Biharkoshikosimithila

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

हे मातृभूमि स्‍वीकारू प्रणाम

रवि दिन मनाउ मकर संक्राति

हाजिर छी हम : भविष्‍य काल स वर्तमान काल तक क यात्रा

Comments 5

  1. Dr. Shashidhar Kumar says:
    13 years ago

    नाम मिथिला सेतु राखल जाए।……………सभसँ नीक प्रस्ताव ।

    Reply
  2. Vikas Thakore says:
    13 years ago

    अयाची-मंडन setu…..

    Reply
  3. Anjani Kumar Kushwaha says:
    13 years ago

    LALIT Setu

    Reply
  4. Prakash Kr. Jha says:
    13 years ago

    Lalit Setu bagal mein bani rahal rail pul ke naam rakhal jay ta besi neek hoyat, Sadak setuk naam Vidyapati Setu athwa Ayachi-Mandan Setu hue ta neek.

    Reply
  5. Durga Nand Jha says:
    13 years ago

    Kono ehan naam je poora mithila me saman rup sa swikar homaywala ho, Mandan-Ayachi mithila ke sanskritik dharohar chhathi, lekin ehi sa ek jaati vishek ke sambadhta seho jhalkait chhai, tahi la ka mithila setu yaa kono anya naam uchit hoyat

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि