पटना। पटना क लोक कए समुद्रक बीचक आनंद त नहि भेट सकैत अछि, मुदा सरकार हुनका लेल गंगाक कछैरि मे टहलबाक संग-संग गर्मागर्म भोजनक प्रबंध करि देलक अछि। गांधी घाट पर बिहार राज्य पर्यटन विकास निगम क रेस्टोरेंट बनिकए तैयार भ गेल अछि। पूरा शहर एकर चालू हेबाकबाट ताकि रहल अछि। रेस्टोरेंट मे गंगा क कछैरि दिस लागल ग्लास आकर्षण क केन्द्र अछि। लोक रेस्टोरेंट मे जलपान आ भोजन क संग-संग गंगा क लहर कए सेहो देखि सकैत छथि। रेस्टोरेंट मे बैसल लोक सीधा गंगा क धार देखि सकताह। दू तल मे आकर्षक रेस्टोरेंट क निर्माण कैल गेल अछि। गंगा क कछैरि मे बनल पटनाकइ पहिल रेस्टोरेंट छी। बिहार राज्य पर्यटन विकास निगम क अधिकारी क कहब अछि जे एकरा चालू करबाक घोषणा कहियो भ सकैत अछि। प्रथम चरण मे पर्यटन निगम एहि रेस्टोरेंट क संचालन करत, ओकर बाद प्राईवेट पार्टनरशिप मे चलेबाकतैयारी अछि। एहि रेस्टोरेंट क चालू भेला स फ्लोटिंग रेस्तरां क सेवा मे सेहो सुधार एबाक संभावना बढि़ गेल अछि।